तब येसु ओइसबके कहल्कै, “औरो कुछ समयतलिक इजोत तोरासबसङे छौ। इजोत रैहते तुसब चलफिर कर, नै त अन्हार तोरासबके झाइपदेतौ। जे अन्हारमे चलैछै, उ कते ज्यारहल छै से उ नै जानैछै।
जे असली रुप परकट हैछै उ इजोत चियै। पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखलछै, “हे बिभोर निनमे परल लोकसब जाग आ आपन पापके कारनसे मरल नै रह, जिबित हो। तब खिरिस्टके इजोत तोरासबमे चमकतौ।”
जब जिबन दैबला परगट भेलै, तब हमसब ओकरा देखलियै आ हमसब वह्या अनन्त जिबनके बिसयमे साक्छी दैचियौ आ तोरासबके कहैचियौ, जे पिता सङे छेलै वह्या अपनासबके लग परगट भेलै।