तब युहन्ना ओकरासबके जबाब देल्कै, “हम त तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा दैचियौ, महज एक गोरा जे आइबरहल्छौ उ हमरोसे बरका छै, जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकरके नै चियौ। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
तब उसब येसुके पुछल्कै, “तोहर पिता कते छौ?” येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब नै त हमरा चिन्हैचिही आ नै त हमर पिताके। यदी तुसब हमरा चिन्हतिही त हमर पितोके चिन्हने रहतिही।”
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।