8 तहिनङे तुहुसब धिरज राख, हिम्मत नै हार। कथिलेकी परभुके आबैबला दिन लगचिया गेलछै।
कथिलेत तोरासबके आपन धिरजके कारन जिबन मिल्तौ।”
येसु पतरुसके कहल्कै, “यदी हम नै आबैतक उ जिबिते रहे कैहके हमर इक्छाछै त तोरा कि हैछौ? तु हमर पछा लाग।”
यदि अपनासब नै देखलहा चिजके आसा करैचियै त, धिरजसे अपनासब ओहै चिजके लेल असियाल रहैचियै।
महज पबितर आत्माके फलसब- परेम, आनन्द, सान्ती, धिरज, दया, भलाइ, बिस्वस्तता,
तुसब सब लोकसङे असल बेबहार कर। परभु जल्दिए आइबरहल छौ।
तुसब त परमेस्वरके बेटा येसु जे स्वरगसे एतै कैहके बाट ताइकरहलचिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै उ येसु चियै। परमेस्वरसे आबैबला करोधसे अपनासबके बचाइबला ओह्या चियै।
जब अपनासबके परभु येसु एतै, ओइ बखत ओकर अगा अपनासबके आसा, आनन्द आ घमन्डके मुकुटमे गर्भ करैबला कथी हेतै? कि यि तुहेसब नै चिही त?
ओकर परेमसे तोरासबके मन नै डगमगाबे ताकि जब अपनासबके परभु येसु जहिया आपन पबितर जन सङे एतै तै बखत आपन परमेस्वर आ पिताके सामने तुसब पबितर आ निरदोस पाबे से हमरासबके परथना चियै।
तोरासबके हिरदय परमेस्वरके परेमके बुझैले आ खिरिस्टके जखा सहैबला सक्ती परभु देबे।
सोना-चानीमे बिज लाइग गेल्छौ। एह्या बिज तोरासबके बिरोधमे गबाही देतौ आ आइगके जखा तोरासबके देहके जराइतौ। यि जुगके अन्तके दिनमे तुसब धन-सम्पैतके ढेरी लगाइनेचिही।
हौ भाइ-भैयासब, एक-दोसरके बिरोधमे नै गनगनाइत रह, नै त तुसब दोसी ठहरबे। देख, नियाय करैबला देहरीएमे आइबगेलछौ।
सब चिजके अन्त हैके समय चैल एलछै। ओहैसे तुसब आपन मनके सुध आ आपनेके बसमे राख ताकी तुसब असलसे परथना करे सक।
यि बातके गबाही दैबला कहैछै, “साँचोके हम जल्दिए आइबरहल चियौ।” आमेन। आबु, हे परभु येसु!