3 सोना-चानीमे बिज लाइग गेल्छौ। एह्या बिज तोरासबके बिरोधमे गबाही देतौ आ आइगके जखा तोरासबके देहके जराइतौ। यि जुगके अन्तके दिनमे तुसब धन-सम्पैतके ढेरी लगाइनेचिही।
परमेस्वर कहैछै, ‘अन्तके दिनमे हमसब लोकसबके आपन आत्मा परसस्त कैरके देबै, तोहर बेटासब आ बेटीसब अगमबानी बोल्तौ आ तोरौरके जबानसब दरसन देख्तै आ बुढवासब सपना देख्तै।
महज तु जिद्द कैरके पस्चाताप करैले नै चाहलिही। ओहैसे तु परमेस्वरके नियाय हैबला दिनमे बरका दन्डके लेल करोध समैटके राखनेचिही, जै दिनमे परमेस्वर ठिकसे नियाय करतै।
एहेन सिक्छा त भितरे-भितर सैंरते जाइबला घाउ जखा हैछै। एहेन सिक्छा दैबलामेसे हुमेनियस आ फिलेतस चियै।
सबसे पहिने तोरासबके यि बुझैले परतौ कि, अन्तके दिनमे अधलाह लोक आपन स्वारथ चाहना बाहेक औरो किछो नै सोच्तै। उसब तोरासबके खिसी करैत कहतौ,
तु जे जानबर आ दसटा सिङके देखलिही, उ ओइ बेबिचारनी जनिके घिरना करतै। उसब ओकर सब चिज लुइटके नङटे बनाइतै आ ओकर मासु खेतै आ ओकरा आइगसे नास कैरदेतै।
जकर-जकर नाम जिबनके किताबमे लिखल नै भेटलै, ओकरासबके आइगके भठिमे फेकदेल्कै।
महज डरपोकसब, बिस्बास नै करैबलासब, घिनलागैबला काम करैबलासब, हतियारासब, बेबिचारीसब, जादु-टोना करैबलासब, मुरती पुजा करैबलासब आ झुठ बोलैबलासबके ठाम त आइग आ गन्धक बरैबला भठिमे हेतै। यि दोसर मिरतु चियै।”