14 कोइ बिमार छै त, उ मन्डलीके अगुवासबके बोलाबे तब उसब परभुके नाउमे तेलसे अभिसेक कैरके ओकर खातिर परथना करतै।
उसब आपन हाथसे साँपसब पकरतौ आ कोनो परकारके बिखो पिलेतै त तैयो कोनो नोक्सान नै हेतै। तब रोगी-बिमारीसब उपर आपन हाथ राख्तौ आ उसब निक हेतौ।”
उसब बहौत भुतसब निकालल्कै आ तेलमे परथना कैरके बहौत रोगी-बिमारीसबके लग्याके निक करल्कै।
अहिनङे उसब उठेल्हा पैसा बरनाबास आ साउलके हाथे यरुसलेम मन्डलीके रेखदेख करैबलासबके पठादेल्कै।
जब उसब ओइसबके सब मन्डलीमे रेखदेख करैबलासब नियुक्त करल्कै, तब परथना आ उपासे रैहके आपन बिस्बास करल परभुमे ओइसबके सोइप देल्कै।
जब उसब यरुसलेममे पहुचलै तब ओइसबके ओतेका मन्डली, परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब स्वागत करल्कै। तब बरनाबास आ पावल ओइसबके सुनाबे लाग्लै जे परमेस्वर ओकरासबसे केहन-केहन कामसब करने छै।
ओहै बखत पब्लियसके बाबु जर आ सुलवाइके पिरामे छेलै। ओहैसे पावल ओकर घर भितर ज्याके ओकर बाबुके लेल परथना करल्कै आ ओकर उपर आपन हाथ राइखके निक करल्कै।
तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै।
हमर अरह्याल बमौजी ओतेका रहल बाकी काम पुरा करैले आ हरेक सहरसबमे एल्डरसब छानैके लेल हम तोरा केरेट टपुमे छोइर देलियौ।