6 बास्तममे परमेस्वर औरो बेसि अनुगरह करैछै। जनङकी पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “परमेस्वर घमन्डी लोकसबके बिरोध करैछै, महज नम्रसबमे अनुगरह करैछै।”
कथिलेत जकरसङे छै तकरा औरो देलजेतै आ ओकरा परसस्त भ्याजेतै। महज जकरा नै छै तकरसे भेल्होल्यालेतै।
कथिलेत जे अपनाके बरका सोचैछै उ सबसे छोट हेतै आ जे अपनाके छोट सोचैछै उ सबसे बरका हेतै।
उ सक्तिसाली रजासबके ओकर सिंहासनसे अलग करने छै आ आपनके कमजोर ठानैबलाके उपर उठाइने छै।
कथिलेत जे अपनाके बरका सोचैछै उसबसे निच हेतै आ जे अपनाके निच सोचैछै उसबसे बरका हेतै।”
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “हम तोरासबके कहैचियौ, बटी उठाइबला लोक फरिसीसे बेसी धरमी ठहैरके आपन घर गेलै। कथिलेत जे आपनके बरका सोचैछै उ सबसे छोट हैछै आ जे आपनके छोट सोचैछै उ सबसे बरका हैछै।”
परभुके अगा नम्र बन, तब उ तोरासबके उपर उठाइतौ।
तहिनङे जबानसब, बुढ लोकसबके अधिनमे रह। तुसब नम्र भ्याके एक दोसरके सेबा कर। कथिलेकी पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “परमेस्वर घमन्डी लोकसबके बिरोध करैछै, महज नम्र लोकसबके अनुगरह करैछै।”