2 तुसब इक्छा त करैचिही, महज नै पाबैचिही। तुसब हतिया आ लालच करैचिही महज पाबे नै सकैचिही। तुसब लराइ आ झगरा करैचिही, महज तोरासबसङे नै रहैछौ, कथिलेकी तुसब परमेस्वरसे नै माङैचिही।
अखुनोतक तुसब हमर नाममे कुछो नै माङनेचिही। माङ त तुसब पाबबिही आ तहैसे तोरासबके आनन्द पुरा हेतौ।
येसु ओकरा जबाब देल्कै, “परमेस्वर तोरा दैबला बरदानके आ तोहर सङे पानी माङैबला लोकके चिनतिही त, तु ओकरसे माङतिही आ उ तोरा जिबनके पानी देतियौ।”
महज तोरौरके बिचमे ककरो-ककरो बुइधके कमी छौ त उ परमेस्वरसे माङे आ परमेस्वर तोरासबके उदार चितसे परसस्त कैरके देतौ।
तोरासबके बिरोधो नै करैबला निरदोससबके तुसब दोख लग्याके मारलिही।
जे लोक आपन भाइके घिरना करैछै उ जानमारा चियै आ तुसब जानैचिही कि जानमारा लोकमे अनन्त जिबन नै रहैछै।