10 परभुके अगा नम्र बन, तब उ तोरासबके उपर उठाइतौ।
कथिलेत जे अपनाके बरका सोचैछै उ सबसे छोट हेतै आ जे अपनाके छोट सोचैछै उ सबसे बरका हेतै।
उ सक्तिसाली रजासबके ओकर सिंहासनसे अलग करने छै आ आपनके कमजोर ठानैबलाके उपर उठाइने छै।
कथिलेत जे अपनाके बरका सोचैछै उसबसे निच हेतै आ जे अपनाके निच सोचैछै उसबसे बरका हेतै।”
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “हम तोरासबके कहैचियौ, बटी उठाइबला लोक फरिसीसे बेसी धरमी ठहैरके आपन घर गेलै। कथिलेत जे आपनके बरका सोचैछै उ सबसे छोट हैछै आ जे आपनके छोट सोचैछै उ सबसे बरका हैछै।”
तैदुवारे नम्र भ्याके सक्तिसाली परमेस्वरके अधिनमे रह आ उ तोरासबके ठिक समयमे सम्मानित करतौ।