6 महज तुसब त गरिबसबके अपमान करनेचिही। कि धनिक लोकसब तोरासबके अत्याचार नै करैछौ? कि उसब तोरासबके अदालतके अगा घिस्याइत नै लजाइछौ से?
येसु कहल्कै, “हमरा भुत नै लागल छै। हम आपन पिताके आदर करैचियै आ तुसब हमरा अनादर करैचिही।
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
महज उसबके पावल आ सिलास ओते नै भेटलै। तब उसब यासोन आ परभुमे बिस्बास करैबला औरो भाइ-भैयारीसबके घिस्याइत-तिरयाइत सहरके हाकिमसबके अगामे लज्याके जोरसे किलोल कैरके कहल्कै, “यीसब जे सन्सारके तहस-नहस कैररहलछै, यीसब अतौ आइबगेल छै।
जब अखैया इलाकाके गलियोन नामके लोक बडा-हाकिम रहै बखत यहुदीसब एकमत भ्याके पावलके बिरोध करैत ओकरा पकैरके बडा-हाकिम लग लज्याके कहल्कै,
महज अने साउल घर-घरमे ढुइकके बिस्बासी मन्डलीके नास करैले कोसिस करैतरहै। उ मरद आ जनी सबके पकैरके घिस्याइते लज्याके जहलमे ढोइक दैछेलै।
कि तोरासबके खाइ-पियैले आपने घर नै छौ से? या कि तुसब परमेस्वरके मन्डलीके निच ठानैचिही आ किछो नै भेल्हासबके अपमान करैचिही? हम तोरासबके कथी कहबौ? अकर लेल कि हम तोरासबके परसन्सा करबौ? नै, हम परसन्सा नै करबौ।
तै बखत तोरौरके असल-असल पिन्हैबला धनिक लोकके आदर करैत बिसेस धियान दैत कहबिही, “आबु, आबु, स्वागत अइछ, अहाँ अत निक ठाममे बैठु” महज ओतै गरिबके “ओतै ठार भेलरह या अतै भुइयाँमे हमर टाङलग बैठ” कैहके कहबिही त,
देख! जे जन-बनिहार तोरासबके खेतमे बालि-नाली समेटदेल्कौ तकरा तुसब बैन नै दैके कारनसे उसब कानैखिजैछै। तैसबके पुकार सरबसक्तिमान परमपरभु परमेस्वरके कान तलिक पुइग गेलछौ।
तोरासबके बिरोधो नै करैबला निरदोससबके तुसब दोख लग्याके मारलिही।