23 अबराहम परमेस्वरमे बिस्बास करल्कै आ परमेस्वर ओकरा धरमी ठहरेल्कै कैहके पबितर धरमसास्तरमे लिखल बात ओकर करल कामसे पक्का साबित करैछै। ओहैसे उ परमेस्वरके सङी कहलगेलै।
तुसब पबितर धरमसास्तरमे नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै,
उसब दुइटा डाकुके ओकरसङे एकटाके देहना कात आ दोसरके बमा कात कुरूसमे टाङल्कै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “आइ पबितर धरमसास्तरमे लिखल यि बातसब सुइनके तोरासबमे पुरा भेलछौ।”
“हौ, भैयारीसब, धरमसास्तरके बचन पुरा हैकेचाही, जे बचन येसुके पकराबैके लेल लोकसबके अगुवाइ करैबला यहुदाके बिसयमे दाउदके मुहसे पैहनैये पबितर आत्मासे बाजल छेलै।
परमेस्वर सुरुवेसे छानल आपन लोकसबके नै त्यागने छै। पबितर धरमसास्तरमे अगमबक्ता एलियाके कहल बात तोरासबके थाह नै छौ से? उ इजराएलीसबके बिरोधमे परमेस्वरसे अनङके बिन्ती करल्कै,
कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे मिसर देसके एक गोरा रजा फारोके बारेमे अनङ लिखल छै, “तोहरमे हम आपन सक्ती देखाइले आ पुरे सन्सारमे आपन नाम घोसना करैके उदेस्यसे हम तोरा रजा बनाइने चियौ।”
महज येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके परमेस्वरके परतिग्याके आसिस पाबैले सके कैहके सबके पापके अधिनमे राखल छै कैहके धरमसास्तर कहैछै।
अबराहमके देख, “उ परमेस्वरमे बिस्बास करल्कै तब परमेस्वर ओकरा धरमी ठहराइल्कै।”
धरमसास्तरमे लिखल सब बचन परमेस्वरके परेरनासे एलछै। यि सिखाइले, अरती दैले, सुधारैके लेल आ धरमी जिबन जियैले बहौत काम लागतौ।
बिस्बास मातरे कैरके नै हैछै, महज बिस्बास अनुसार काम करैबलासबके परमेस्वर धरमी ठहराइछै से बात देखलिही।
कथिलेकी पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “देख! सियोनमे हम चुनल एकटा बहौत मोलके कोनाके पथल राखैचियौ। ओकरमे बिस्बास करैबला कहियो नै लाजमे परतै।”