22 बिस्बास आ काम सङ-सङे रहैछै से बात नै देखलिही? ओकर आग्या पालनसे ओकर बिस्बास परमानित भेलै।
येसु ओइसबके जबाब देल्कै, “परमेस्वरके काम एह्या चियै, जे ओकरा पठाइने छै ओकर उपर बिस्बास कर।”
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
बिस्बाससे करल तोरासबके काम, परेमसे करल तोरासबके मेहनत आ आपन परभु येसु खिरिस्टके आसामे करल तोहरसबके सहनसिलता हमसब परमेस्वर आ पिताके अगा परथनामे हरदम सम्झैत रहैचियौ।
महज कोइ हमरा पुछतै, “कि तु परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही?” हम त कहबै, “हम ओकर आग्या अनुसार काम करैचियै। ओकर आग्यापालन बिना करल आपन बिस्बास देखा त? हम त कामसे आपन बिस्बास देखाइबै।”
महज जे परमेस्वरके बचनके पालन करैछै उ परमेस्वरके साँचो परेम करैछै। ओहैसे अपनासब ओकरमे चियै से जानैचियै।