18 महज कोइ हमरा पुछतै, “कि तु परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही?” हम त कहबै, “हम ओकर आग्या अनुसार काम करैचियै। ओकर आग्यापालन बिना करल आपन बिस्बास देखा त? हम त कामसे आपन बिस्बास देखाइबै।”
हमरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै आ सब रहस आ सब किसिमके ग्यान बुझैले सक्बै आ पहार हटाबे सकैबला पुरा बिस्बास हमरसङे छै, महज हमरमे परेम नै छै त, हम किछो नै चियै।
अहैलेल हे हमर पिरिय सङीसब, परमेस्वर अपनासबके देल यि परतिग्या अनुसार देह आ आत्माके असुध बनाबैबला हर किसिमके बातसे अपनासब दुरे रह आ परमेस्वरके डर मानैत औरो पबितर हैत चल।
हे हमर भाइ-भैयासब, यदी कोनो लोक “हम परमेस्वरमे बिस्बास करैचियै” त कहतै, महज ओकर इक्छा बमौजी नै चल्तै त कोन फाइदा? कि एहेन लोकके परमेस्वर बचाइतै त?