17 बिस्बासो ओहिनङ हैछै। काम नै करैबला बिस्बास त मरल बिस्बास चियै।
आब बिस्बास, आसा आ परेम यि तिन बात रहैछै, महज ओइमेसे सबसे बरका परेम चियै।
यदि हम आपन सब धन-सम्पैत गरिबसबके बाइट देबै आ आपन देह सेहो जराइले देबै महज हमरमे परेम नै छै त, हमरा किछो फाइदा नै हेतै।
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
बिस्बाससे करल तोरासबके काम, परेमसे करल तोरासबके मेहनत आ आपन परभु येसु खिरिस्टके आसामे करल तोहरसबके सहनसिलता हमसब परमेस्वर आ पिताके अगा परथनामे हरदम सम्झैत रहैचियौ।
हमर कहैके उदेस्य त यि चियै कि बिस्बासीसब एक दोसरके परेम करे, जे परेम सुध हिरदय, असल बिबेक आ साँचोके बिस्बाससे मातरे आबैछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, यदी कोनो लोक “हम परमेस्वरमे बिस्बास करैचियै” त कहतै, महज ओकर इक्छा बमौजी नै चल्तै त कोन फाइदा? कि एहेन लोकके परमेस्वर बचाइतै त?
जनङ परान बिनाके देह मरल रहैछै, तैहनङे कामबिनाके बिस्बास मरल रहैछै।