6 महज माङैत खिना सङका नै कैरके बिस्बासके साथ माङे। सङका करैबला लोक समुन्दरके हिलकोर जखाछै जे हबासे उठैछै आ खसैछै।
यि बात सुइनके पतरुस कहल्कै, “परभु, अहै चियै त, हमरो पानी उपरमे चैलके अहाँ लग आबैले आग्या दिय।”
उठ आ निचा जो, घुचपिच नै कैरके ओइसबके सङे लाग, कथिलेत ओइसबके हम्ही पठाइने चियौ।”
तब अपनासब चलाक लोकसबके झुठा सिक्छाके हबासे जने ल्याजेतौ तने जाइबला छोट धिया-पुता जखा नै हो। ओइसबके बन्याल जाल झेलसे दोसरके बहकाइछै।
तैदुवारे हरेक ठाम जते आराधना हैछै, ओते पुरुखसब बिना रिस-खिस आ बाद-बिबाद आपन पबितर हाथ उठाके परथना करे कैहके हम चाहैचियै।
अपनासबके करल आसामे अस्थिर भ्याके कैसके पकैरके राख, कथिलेकी जे परतिग्या करने छै, उ बिस्बास योग्यछै।
बिस्बास बिना परमेस्वरके खुसी करनाइ असम्भवछै, कथिलेकी जे परमेस्वरके नजदिक आबैछै, उ परमेस्वर छै आ ओकरा खोजैबलासबके इनाम देतै कैहके पक्का बिस्बास करेपरतै।
अनेक किसिमके अचमके सिक्छाके भरममे नै पर। खाइ पियैबला नियमसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे हिरदय बौकार भेल असल चियै। ओहेन बिधी पालन कैरके ककरो उपकार नै भेलछै।
ओहेन लोक त परभुसे कोनो चिज मिल्तै कैहके नै सोच्तै तैयो हेतै।
बिस्बास साथ करल परथनासे बिमारी निक हेतै तब परभु ओकरा निक कैरदेतै। उ लोक पाप करने रहतै तैयो छमा पाबतै।
एहैन लोकसब त पानी बिनाके भवसब जखा चियै आ हबा बिहाइरसे उरैबला गरदा जखा चियै। एहैन लोकसबके लेल परमेस्वर पतालके अन्धकार जतनके राखनेछै।