26 कोइ आपनके धरमी सम्झैछै, महज आपन जिहके लगाम नै लगाइछै त उ आपनेके धोखा दैछै आ ओकर धरम-करम बेरथ हैछै।
तुसब हमरा बलौसे आराधना करैचिही। कथिलेत तुसब लोकसबके बन्याल नियम मातरे सिखाइचिही।’”
उसब बेकारमे हमर आराधना करैछै, महज उसबके सिक्छा लोकसबके बन्याल नियम मातरे चियै।’
अइ खातिर होसियार रह, सुनल बातसबके ध्यान दहै कथिलेत जकरसङे छै, ओकरा औरो देतौ आ जकरसङे नै छै, जे कोइ सङे छै कहके ठानैछै ओकरसे भेल्हो छिनलेतौ।”
अतबेहेक नै, अपनासब त परमेस्वरके बारेमे झुठ बोलैबलासब जखा हेब्ही, कथिलेत परमेस्वर खिरिस्टके मरलसे जीयाके उठेल्कै कैहके हमसब गबाही दैचियै। यदि मरल लोकसब जीके नै उठैछै त, परमेस्वर सेहो खिरिस्टके जिबित नै करल्कै।
हमर परचार करल उ सुसमाचारमे बिस्बास करैले नै छोरबिही त तुसब उदार पाबबिही, नै त तोरासबके करल बिस्बास बेरथ हेतौ।
कोइ आपनेके धोखा नै देबे। यदि कोइ अइ सन्सारके हिसाबसे आपनेके बुधिमान ठानैछै त, उ साँचेके बुधिमान हैले आपनेके मुरुख बनाबे।
उसब मन्डलीके मुख अगुवासब मानल गेलोपरभी हमर समादमे कोनो सल्लाह नै देल्कै। (उसब जतहेक बरका हेबे हमरा ओइसे कोनो फरक नै परतै, कथिलेत परमेस्वर ककरो मुह देखके नियाय नै करैछै)।
याकुब, पतरुस आ युहन्ना, जेसब मन्डलीके खम्हासब मानल छेलै, उसब हमरा परमेस्वरके देल अनुगरहके पहिचान करल्कै। उसब बरनाबास आ हमरा संगतीके लेल देहना हाथ बनाइल्कै। बरनाबास आ हम गैर-यहुदीसबके बिचमे आ उसब यहुदीसबके बिचमे काम करैले सहमत भेलियै।
कि तुसब अतहेक दुख बेरथमे काटलिही त? हम आस करैचियौ, कि तुसब बेरथमे दुख नै काटलिही।
यदि कोनो मोलके नै भेल्हा लोक आपनके बरका ठानैछैत, उ आपनेके धोखा दैछै।
तोरासबके मुहसे खराब बात नै निक्ले, महज भलाइ करैबला आ मिठ बचन बोल ताकि सुनैयोबलासबके भलाइ हेबे।
निरलज, मुरुख आ खराब बचनसब तोरासबके मुहसे नै निक्ले, यि बात ठिक नै चियै। बरु अकर बदलामे त परमेस्वरके धन्यबाद दैबला काम हेबे।
जनङ नोन तरकारिके सबदगर बनाइछै तैहनङ तोरासबके बोलिबचन हरदम अनुगरहसे भरल आ सुनैले असल लागैबला हेबे। तुसब असलसे जबाफ कनङके देबे परतै से जाने परतौ।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, यि बात तोरौरके जान। सुनैमे जल्दी, बाजैमे अस्थिर, तामसमे कम हैलेपरतै।
तोरौरके बचन पालन करैबला बन, सुनैबला मातरे भ्याके आपनके धोखा नै दहै।
हे मुरुख, काम बिनाके बिस्बास बेरथ हैछै से बात तोरासबके थाह नै छौ?
कथिलेकी पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “जे खुसि जिबन बिताबैके चाहना करैछै आ असल दिन देखैले चाहना करैछै से आपन जिहसे खराब बोली बाजैसे आ आपन ठोरसे छली बात बाजैसे दुर राखे।