9 यि त अखुनके समयमे अपनासबके देखैबला एकटा नमुना मातरे चियै। परमेस्वरके चरहाबैबला भेटी आ बलीसबसे आराधना करैबला लोकसबके हिरदय सुध करैले नै सक्तै।
तैयो आदमके समयसे लेके बेबस्था लिखैबला मोसाके समयतलिक मिरतु सब लोकसबमे राज करल्कै। लोकसब आदम जखा त पाप नै करल्कै तैयो उहोसब मरलै। आदमके करल पापके नतिजा सब लोकसब पाबल जखा खिरिस्टके करल कामके नतिजा सेहो सब लोक पाबतै। अनङ आदम त पछा आबैबला खिरिस्टके नमुना छेलै।
तब कि बेबस्था परमेस्वरके परतिग्याके बिरोधमे छै त? कदापी नै। यदि बेबस्था पालन कैरके लोकसब अनन्त जिबन पाबैले सक्तियै त, बेबस्थे लोकसबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहराइतियै।
हरेक पुजारी दिन-दिने ठार भ्याके बली चरहाइबला काम करैछै आ बेर-बेर एके किसिमके बली चरहाबैछै, जे बलीसे कहियो पाप मिटाइले नै सक्तै।
इसहाक मरबो करतै त परमेस्वर ओकरा जियाइले सक्तै कैहके अबराहम बिस्बास करल्कै आ साँचोके अबराहम इसहाकके मरलसे जिबित भेल जखा फेनसे पाबल्कै।
सब परधान पुजारी परमेस्वरके अगा लोकेसबके परतिनिधी करैके लेल लोकेसबमेसे चुनल जाइछै। उ लोकसबके तरफसे परमेस्वर लग पापके बलिदान आ भेटी चरहाइले नियुक्त हैछै।
मोसाके बेबस्था अनुसार लेबीके कुलके लोक पुजारी हैके अधिकार पाबने छेलै, महज ओइसबके कामसे सब लोकसबके सिध करैले नै सक्लै। ओहैसे लेबी कुलके हारुनके सन्तानसे पुजारी नै भ्याके मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारीके खाचो नै परतियै।
यदि उ अइ पिरथिबीमे रहतियै त पुजारी नै हेतियै, कथिलेकी बेबस्था अनुसार भेटी चरहाइबला पुजारीसब त पहिनेसे छेलै।
खिरिस्ट त लोकसबके हाथसे बनल पबितर ठाममे नै ढुकलै, जे सत पबितर ठामके नमुना मातरे चियै, महज उ स्वरग भितर ढुकलै आ अखुन अपनासबके लेल परमेस्वरके अगा ठारभेल छै।
वह्या पानी बप्तिस्माके एकटा रुप चियै, जे तोरासबके बचाबैछौ। यि देहके मैल उगारनाइ नै चियै, महज सुध बिबेकसे परमेस्वरमे करलगेल समरपनता चियै। यि मिरतुसे भेल येसु खिरिस्टके पुनरुथानसे तोरासबके बचाइछौ।