1 पहिनेके करारमे परमेस्वरके आराधना करैले धारमिक नियमसब राखल छेलै। सन्सारमे लोकसबके बन्याल एकटा आराधना करैबला ठाम सेहो छेलै।
उसब दुनुगोरे परमेस्वरके नजरमे धरमी छेलै आ परमपरभुके सब आग्या आ धारमिक नियमसब मानैछेलै।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
परमेस्वर यि करारके “लया करार” कहल्कै, ओहैसे ओकर पहिनेके बान्हल करारके पुरना करार ठहरेल्कै। उ करार पुरान हैतजेतै आ जल्दिए नास हैतजेतै।
उ महापबितर ठाममे परधान पुजारी भ्याके सेबाके काम करैछै। उ साँचो महापबितर ठाम त लोकसब नै बनाइनेछै, महज परभु आपनेसे बनाइनेछै।
यदि उ पहिन्का करारमे खोट नै रहतियै त दोसर करारके आबसेक्ते नै परतियै।
खिरिस्ट त लोकसबके हाथसे बनल पबितर ठाममे नै ढुकलै, जे सत पबितर ठामके नमुना मातरे चियै, महज उ स्वरग भितर ढुकलै आ अखुन अपनासबके लेल परमेस्वरके अगा ठारभेल छै।