3 हरेक परधान पुजारीसब परमेस्वरके भेटी आ बलिदान चरहाबैके लेल नियुक्त भेल रहैछै। अहैलेल अपनासबके परधान पुजारीसङे कुछ न कुछ चिज चरहाइले परतै।
स्वरगसे एल जिबित रोटी त हम्ही चियै। जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ सबदिन जिबित रहतै। सन्सारके लोकसबके जिबनके लेल जे रोटी हम दैचियै, उ हमर देह चियै।”
येसु अपनासबके पापके खातिर मारलगेलै आ अपनासबके धरमी ठहराइके लेल जिबित कर्याल गेलै।
हमसब अपनेसे मुक्तीके लेल कुछो करैले नै सकैबला भेलाके कारनसे खिरिस्ट अपनेसे ठिक समयमे हमरासबके लेल मरलै।
महज अपनासब पापी भेल बखत खिरिस्टके अपनासबके लेल बलिदान द्याके परमेस्वर अपनासबके लेल महान परेम देखेल्कै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
ओहैसे सब बातमे उ आपन भाइ-भैयासब जखा बनैले आबस्यक छेलै। ताकि उ परमेस्वरके सेबामे दयालु आ बिस्बासयोग्य परधान पुजारी बन्लै आ लोकसबके पाप छमा दैकेलेल उ आपने बली भेलै।
ओहैसे परमेस्वरके बोलाबट पाबलहा पबितर जनसब, तुसब आपन धियान येसुमे लगा, जकरा अपनासब परेरित आ परधान पुजारी कैहके सुइकार करैचियै।
सब परधान पुजारी परमेस्वरके अगा लोकेसबके परतिनिधी करैके लेल लोकेसबमेसे चुनल जाइछै। उ लोकसबके तरफसे परमेस्वर लग पापके बलिदान आ भेटी चरहाइले नियुक्त हैछै।
औरो परधान पुजारीसबके करल जखा उ पहिने आपन लेल तब औरोके पापके लेल दिन-दिने बली चरहाइते नै रहेपरतै, कथिलेकी उ एके बेरमे सबदिनके लेल आपने आपके बलीके रुपमे अरपन करल्कै।
यदि उ अइ पिरथिबीमे रहतियै त पुजारी नै हेतियै, कथिलेकी बेबस्था अनुसार भेटी चरहाइबला पुजारीसब त पहिनेसे छेलै।
खिरिस्टके लहुसे औरो कतेक बेसीसे तोरासबके बिबेकके मरल कामसबसे सुध करतौ ताकि तुसब जिबित परमेस्वरके सेबा करैले सक। कथिलेत उ अनन्त आत्मासे आपनेके दाग नै लागल बलिके रुपमे परमेस्वरके अरपन करल्कै।