22 यह्या किरियासे येसुके उतम करारके जमानत बनाइछै।
यि परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे समबन्ध बनाबैबला हमर लहु चियै, जे बहुतो लोकसबके पापसे छमा पाबैके लेल बह्याल ज्यारहल छै।
उ ओइसबके कहल्कै, “यि परमेस्वर आ लोकके बिचके समबन्ध अस्थापित करैबला हमर लबका करारके लहु चियौ, जे बहुत लोकके लेल बहाएल जेतै।
ऐहनङे ख्यालेलाके बाद उ बाटी लेल्कै आ कहल्कै, “यि बाटी तोरौरके खातिर हमर लहुसे बान्हल लबका करार चियौ। यि लहु तोरेऔरके खातिर बह्याल गेल छौ।
तहिनङे रोटी खेलाके बाद बाटी लेल्कै आ कहल्कै, “परमेस्वर आ लोकके बिचमे समबन्ध अस्थपना करैबला यि हमर लहु चियौ। जहिया-जहिया तुसब यि पिब्ही, तहिया-तहिया हमर सम्झनामे एहेन कैरते रह।”
तुसब त परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे लबका करार बान्हैबला मध्यस्तकरता येसुलग एलचिही। तुसब हाबिलके लहुसे बेसी असल बातके परतिग्या करैबला येसुके लहुमे एल चिही।
भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै।
ओइसबमे फरक यि छेलै कि लेबी कुलके पुजारीसबके संख्या बहुत छेलै आ मैरके जाइके कारन आपन सेबाके काम सबदिन करैले नै सकल्कै।
परमेस्वर यि करारके “लया करार” कहल्कै, ओहैसे ओकर पहिनेके बान्हल करारके पुरना करार ठहरेल्कै। उ करार पुरान हैतजेतै आ जल्दिए नास हैतजेतै।