16 येसु लोकसबके देल आग्या आ नियमके आधारमे पुजारी नै भेलछै, महज कहियो नास नै हैबला जिबनके सक्तीके आधारमे पुजारी भेलछै।
अपनासबके यि बात थाहेछै कि बेबस्था त आत्मिक चियै कथिलेकी यि परमेस्वरसे आबल छै। महज हम देहके पाप स्वभाब अनुसार चलैबला आ दास जखा पापमे बेचलगेल लोक चियै।
खिरिस्ट आबैसे पहिने हमसब सेहो ओहिनङे छेलियै आ अइ सन्सारके रितिरिबाजके अधिनमे छेलियै।
महज आब त तुसब परमेस्वरके चिन्हनेचिही या परमेस्वर तोरासबके चिन्हने छौ। महज तुसब कनङ फेर अइ सन्सारके कमजोर रितिरिबाज दिसन लागैचिही आ कथिले ओइसबके दास बनैले चाहैचिही?
उ अपनासबके बिरोधमे लिखल सब तमसुक आ दाबीसब सङे रद कैरदेल्कै आ कुरूसमे किला ठोइकके नास कैरदेल्कै।
तुसब खिरिस्टसङे मैरके यि सन्सारके आधारभुत सिदान्तसबसे छुटकारा पाबनेचिही त, कथिले तुसब यि सन्सारके नियमसब पालन करैचिही?
मोसाके बेबस्था आबैबला उतम बातसबके खास रुप नै चियै, महज उ त छाह मातरे चियै। ओहैसे साले-साल चरहाइबला एके किसिमके बलीसे परमेस्वरके लग आबैबला लोकसबके सिध करैले नै सक्तै।
मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारी आइबगेलाके कारन आब लेबी कुलके पुजारी पद आ बेबस्था फेरलछै कैहके औरो परस्टे हैछै।
कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “मल्कीसेदेक जखा अहाँ सबदिनके लेल पुजारी चियै।”
ओकर कहल बात पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखल छै, “‘तु सबदिनके लेल पुजारी चिही।’ कैहके परमपरभु किरिया खेनेछै आ उ आपन मन नै बदलतै।”
बेबस्था कमजोर लोकसबके परधान पुजारी नियुक्त करैछै, महज बेबस्थासे पछा एल परतिग्यासे परमेस्वर आपने बेटाके सबदिनके लेल सिध परधान पुजारी नियुक्त करल्कै।
मल्कीसेदेकके बाबु-माँ आ ओकर बंसके बारेमे कुछो थाह नै छै। ओकर जलम आ मरनके बारेमे सेहो कुछो थाह नै छै। परमेस्वरके बेटा जखा उ सबदिनके लेल पुजारी चियै।
खिरिस्टके लहुसे औरो कतेक बेसीसे तोरासबके बिबेकके मरल कामसबसे सुध करतौ ताकि तुसब जिबित परमेस्वरके सेबा करैले सक। कथिलेत उ अनन्त आत्मासे आपनेके दाग नै लागल बलिके रुपमे परमेस्वरके अरपन करल्कै।
जिबित हैबला हम्ही चियै। हम मरल छेलियै महज आब सबदिनके लेल जिबित चियै, मिरतु आ पतालके कुजीसब हमर हाथमेछै।