10 कथिलेकी मल्कीसेदेक अबराहमके भेट करैबखत लेबीके जलम नै भेलरहै, महज अनङ बुझैचियै त उ अबराहमके देहमे छेलै, कथिलेत पाछु उ अबराहमके कुलसे जलम लेल्कै।
दोसर ठाममे उ अनङ कहल्कै, “तु मल्कीसेदेक पुजारी जखा, सबदिनके लेल पुजारी चिही।”
मोसाके बेबस्था अनुसार लेबीके कुलके लोक पुजारी हैके अधिकार पाबने छेलै, महज ओइसबके कामसे सब लोकसबके सिध करैले नै सक्लै। ओहैसे लेबी कुलके हारुनके सन्तानसे पुजारी नै भ्याके मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारीके खाचो नै परतियै।
पुजारी पदमे नियुक्त भेल लेबीके सन्तानसब आपने इजराएली भाइ-भैयासबसे सेहो दसान्स उठाबैछै। अरथात बेबस्थाके नियम अनुसार ओकरासबके कमाइसे दसान्स उठाबैके अधिकार लेबीके सन्तानके देनेछै। उसब अबराहमके बंससे एलछै।
कोइ-कोइ अहिनङो कहैछै, दसान्स पाबैबला लेबी सेहो अबराहमके हाथबाटे दसान्स देल्कै।