6 लोक भ्याके परमेस्वरके छोइरके जाइबलासबके पस्चाताप करैले लग्याके परमेस्वर दिसन घुमाइले नै सक्तै, कथिलेकी एहैन लोक परमेस्वरके बेटाके फेनसे कुरूसमे टाङतै आ सबके अगा खुलम-खुल्ला ओकरा अपमान करतै।
कथिलेकी ओकरासबके देल पबितर आग्या जाइनके पछा हटैसे बरु उसब धारमिक बाट नै जानतियै त निक हेतियै।
तुसब आपने बिचार कर, परमेस्वरके बेटाके अनादर करैबला, आपनेके पबितर बनाइबला करारके लहुके अपबितर करैबला आ अनुगरह दैबला पबितर आत्माके अपमान करैबला लोक औरो बरका सजाय पाबतै।
कथिलेत उसब, जे एकबेर परमेस्वरके इजोत पाबनेछै, स्वरगके बरदानके सबाद पाबनेछै आ पबितर आत्मामे सहभागी भेलछै,
कोनो लोक बिस्बासीके पाप करैत देखैछै आ उ पापके नतिजा मिरतु नै हेतै त, ओकरलेल परमेस्वरसङे परथना कैर दैहे आ परमेस्वर ओकरा जिबन देतै। महज मिरतुमे लजाइबला पाप सेहो छै, ओकरलेल परथना कैरदहै कैहके हम नै कहैचियौ।
उ आपन बिरोधीसबके लरम भ्याके सुधारैबला हैकेचाही। भ्यासकैछै परमेस्वर बिरोधीसबके मन बदैल देतै आ उसब सतके चिन्हे सक्तै।
अपनासबके बिस्बास सुरु करैबला आ पुरा करैबला येसुके देख। जे पाछुसे पाबैबला आनन्दके लेल अपमानके कुछो नै सोइचके कुरूसमे दुख भोगल्कै आ अखैन उ परमेस्वरके सिंहासनके दहिनाकात बैठलछै।
येसु चेलासबके दिसन ताकैत कहल्कै, “यि काम लोकसबके लेल असम्भब छै, महज परमेस्वरके लेल सबकुछ सम्भब छै।”
तै खातिर तुसब आपन पितापुरखाके साक्छी भ्याके सहमत हैचिही, कथिलेत उसब अगमबक्तासबके मारल्कै आ तुसब ओकरासबके लेल चिहान बनाइबिही।
स्वरगमे गेल परमेस्वरके बेटा येसु अपनासबके महान परधान पुजारी भेलाके कारन अपनासब ओकरमे करल बिस्बासमे असथिर भ्याके रह।
यदि सतके ग्यान पाबियोके हमसब जाइन बुइझके पाप कैरते रहबै त, अपनासबके करल पापके लेल आब कोनो बलिदान बाकी नै छै।