5 खिरिस्ट सेहो परधान पुजारी हैबला आदर आपने नै लेल्कै, महज ओकरा यि कहैबला आदर देल्कै, “तु हमर पिरिय बेटा चिही आ आइ हम तोहर बाबु भेल चियौ।”
कथिलेकी परमेस्वर सन्सारके लोकसबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्कै। ओकर उपर बिस्बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्त जिबन पाबतै।
जे कोइ आपन मनसे बोलैछै, उ आपने महिमा ताकैछै, महज जे अपना पठाइबलाके आदर खोजैछै, उ सत लोक चियै आ ओइमे कोनो कपट नै रहैछै।
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “यदी हम आपन आदर आपनेसे खोज्बै त ओकर कोनो अरथ नै हेतै, महज हमरा आदर करैबला हमर पिता छै जकरा तुसब ‘अपनासबके परमेस्वर’ कहैचिही।
परमेस्वर येसुके मरलसे जियाके उ यि परतिग्या अपनासबके आ ओकरसबके धियापुताके खातिर पुरा करने छै। जनङ धरमसास्तरके भजनसङगरहके दोसर अध्यायमे लिखल छै, ‘तु हमर बेटा चिही, आइके दिन हम तोरा जलम देनेचियौ।’
बेबस्था जे करैले नै सक्लै, से परमेस्वर करल्कै, कथिलेकी अपनासबके पापी स्वभाबके कारनसे बेबस्था कमजोर भेलै। परमेस्वर अपनासबके पापसे छुटकरा करैके लेल आपनेसब जखा आपन बेटाके देहमे पठेल्कै आ उ खिरिस्टके देहके बलिदान कैरके अपनासबके पापके नास करल्कै।
पहिन्का जुगमे परमेस्वर अपनासबके पिता पुरखासङे अगमबक्तासब दुवारा बहुत बेर आ बहुत किसीमसे बोलल छेलै।
परमेस्वर आपन बेटाके कहल्कै, “तु हमर दुलरुवा बेटा चिही, आइ हम तोहर बाबु भेल चियौ।” यि बात कोनो स्वरगदुतके परमेस्वर कहियो नै कहल्कै। उ आपन बेटाके बारेमे अनङ कहल्कै, “हम ओकर बाबु हेबै आ उ हमर बेटा हेतै।” यि बात कोनो स्वरगदुतसबके कहियो नै कहल्कै।
ओहैसे सब बातमे उ आपन भाइ-भैयासब जखा बनैले आबस्यक छेलै। ताकि उ परमेस्वरके सेबामे दयालु आ बिस्बासयोग्य परधान पुजारी बन्लै आ लोकसबके पाप छमा दैकेलेल उ आपने बली भेलै।
ओहैसे परमेस्वरके बोलाबट पाबलहा पबितर जनसब, तुसब आपन धियान येसुमे लगा, जकरा अपनासब परेरित आ परधान पुजारी कैहके सुइकार करैचियै।
परमेस्वर ओकरा मल्कीसेदेक जखा परधान पुजारीके पदमे नियुक्त करल्कै।