13 माँके दुध मातरे पियैबला बच्चे रहैछै आ उ परमेस्वरके बचनमे परिपक नै रहैछै ओहैसे असल आ खराब छुटयाबैले नै जान्ने रहैछै।
ओहै बखत येसु कहल्कै, “हे पिता स्वरग आ पिरथिबीके मालिक, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेत यि बातसब अहाँ बातसब बुधिमान आ बिदवान सबसे घोसाइरके राखलियै, महज बच्चासबमे परगट करलियै।
साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, जे एकटा बच्चा जखा परमेस्वरके राजके गरहन नै करतै त उ कहियो नै परमेस्वरके राज भितर ढुकैले सक्तै।”
तुसब मुरुख लोकसबके सल्लाहकार तब परमेस्वरके बारेमे किछो नै जानैबलासबके सिक्छक चियै कैहके सोचैचिही, कथिलेत बेबस्थामे भेल सब बुइध आ सत बात पाबनेचियै कैहके दाबी करैचिही।
जब हम बचा छेलियै तब बचे जखा बाजैछेलियै, बचे जखा सोचै छेलियै आ बचे जखा तरक करैछेलियै। महज जब हम जबान भेलियै, तब बचाके बेबहार छोइरदेलियै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब सोच-बिचारमे बचा जखा नै महज परिपक्क लोक जखा बन। खराब बातमे ठिक-बेठिक छुटयाबैले नै सकैबला बचा जखा हो।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबसङे बोलैतखिना आत्मिक लोकसबसङे बाजल जखा बाजैले नै सकलियौ महज सन्सारके लोकसबसङे बाजल जखा बाजल छेलियौ। खिरिस्टमे भरखर बिस्बास करल छोट बचासबसङे बाजल जखा बोललियै।
जब दोसी ठहराबैबला बेबस्था महिमामय छेलै त कि धरमी ठहराबैबला काम ओइसे बेसी महिमामय नै हेतै?
तब अपनासब चलाक लोकसबके झुठा सिक्छाके हबासे जने ल्याजेतौ तने जाइबला छोट धिया-पुता जखा नै हो। ओइसबके बन्याल जाल झेलसे दोसरके बहकाइछै।
धरमसास्तरमे लिखल सब बचन परमेस्वरके परेरनासे एलछै। यि सिखाइले, अरती दैले, सुधारैके लेल आ धरमी जिबन जियैले बहौत काम लागतौ।
भरखरे जलमल बच्चासब दुधके चाहना करल जखा तुहुसब सुध आत्मिक बचनके लेल पियासल रह। वेहन करैत जेब्ही त तुसब मुक्तीमे बरहैत जेब्ही।
कथिलेकी जे कोइ ओकरा गोरलगी करैछै, उ लोक ओकर दुस्ट काममे सहभागी हैछै।