8 यहोसु इजराएलीसबके परमेस्वरके परतिग्या करल बिसराम दैबला ठाउमे पहिने पुगाइने रहतियै त, परमेस्वर पाछुसे बिसेस दिनके बात करबे नै करतियै।
अपनासबके पुरखासब यि देसमे रहैबला दोसर जातीके लोकसबके खिहारके देसके आपन अधिकारमे लेल्कै। ओहै बखत यहोसु उ पाल आपनसङे आनल्कै। उ पाल दाउदके समय तक अहै देसमे रहलै।
पहिन्का जुगमे परमेस्वर अपनासबके पिता पुरखासङे अगमबक्तासब दुवारा बहुत बेर आ बहुत किसीमसे बोलल छेलै।
परमेस्वर सातम दिनमे बिसराम करल जखा, परमेस्वरके लोकसबके लेल बिसराम दिन बाकिछै।