16 अहैलेल अपनासब परमेस्वरके अनुगरहके सिंहासनके अगा निडर भ्याके चल आ खाचो परलहा समयमे सहायता पाबैके लेल किरपा आ अनुगरह पाबैले सकी।
खिरिस्टके कारनसे अपनासब एके पबितर आत्मा पाइबके पिता परमेस्वरके सामने जाइले सकैबला भेलचिही।
येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैके कारन हमसब साहस आ भरोसाके साथ परमेस्वरके अगा आबैले पाबैचियै।
ओहैसे अपनासब साहसके साथ यि कहैले सकैचियै, “परभु हमरा सहायता करतै, हम नै डराइबै, लोकसब हमरा कथी करैले सक्तै?”
महज खिरिस्ट त घरके अधिकार पाबल बिस्बासयोग्य बेटा भ्याके सेबा करल्कै। यदि हमसब आपन आसामे अन्तिमतक भरोसा आ गर्भ कैरते रहबै त अपनोसब परमेस्वरके घरके सदस हेबै।
कथिलेत उ बेबस्था त कोनो लोकके सिध बनाइले नै सकल्कै महज आब त ओहौसे असल दोसर आसा अपनासबके देलगेलछै, जे अपनासबके परमेस्वरके औरो लगमे पुगाइछै।
अहैलेल येसुमे बिस्बास कैरके परमेस्वरके लग आबैबलासबके उ सबदिन उधार करैले सकैछै, कथिलेत ओइसबके लेल परमेस्वरसङे परथना करैले सबदिन जिबितछै।
ओइ सन्दुकमे परमेस्वर ओते छै कैहके देखाबैके लेल ओइ सन्दुकके ढकनी उपर करुबसब छेलै। उ ढकनी उपर किरपा आसनमे करुबसब डेन पसारने छेलै। महज यि सबके बिसयमे अखुन बयान करैले नै सकैचियै।
पहिने त तुसब परमेस्वरके जन नै छेल्ही, महज अखुन परमेस्वरके जन भेलचिही। पहिने तुसब परमेस्वरके दया नै पाबनेछेल्ही, महज अखुन तुसब परमेस्वरके दया पाबनेचिही।