16 साँचोके, येसु स्वरगदुतसबके लेल नै, महज अबराहमके सन्तानसबके सहायता करैके लेल एलछै।
यदि तुसब बेबस्था पालन करैचिही त खतना करल फाइदा हेतौ। महज तुसब बेबस्था पालन नै करैचिही त, तुसब खतना नै करैबला लोकसब जखा चिही।
परमेस्वर, अबराहम आ ओकर सन्तानसे करल परतिग्या अहिनङे छेलै। पबितर धरमसास्तरमे द्याल उ परतिग्या “बहुतो सन्तानसबके” लेल नै, महज “एक गोरेके” लेल मातरे छेलै आ उ दोसर कोइने चियै, उ त केबल खिरिस्ट चियै।
यदि तुसब खिरिस्टके चिही त अबराहमोके सन्तान चिही आ परमेस्वरके परतिग्या बमोजिम हकबला सेहो चिही।
अपनासबके सारिरीक बाबु त ओकरासबके असल लागल अनुसार अपनासबके सुधार करैके लेल कुछदिन सजाय दैछै, महज अपनासबके परमेस्वर पिता अपनासबके भलाइ हेबे आ अपनासब ओकरे जखा पबितर हैले सकै कैहके सुधार करैके लेल सजाय दैछै।
तब मिरतुके डरसे जिबनभैर बन्धनमे परलहासबके उ छुटकरा देल्कै।
ओहैसे सब बातमे उ आपन भाइ-भैयासब जखा बनैले आबस्यक छेलै। ताकि उ परमेस्वरके सेबामे दयालु आ बिस्बासयोग्य परधान पुजारी बन्लै आ लोकसबके पाप छमा दैकेलेल उ आपने बली भेलै।
लोकसब किरिया खाइबखत आपन कहल बात पक्का हेबे कैहके आपनसे बरका लोकके नाउमे किरिया खाइछै आ उसब किरिया खाके बाद-बिबाद मिलाबैछै।
परमेस्वर सन्सारके सिरिस्टी करैसे पैहनिए ओकरा चुन्ने रहै महज तोरासबके भलाइके खातिर अन्तिम समयमे उ परगट भेलै।