3 तुसब आपने जहलमे परल जखा जहलमे परलहासबके तुसब वास्ता कर। आपने दुख भोगल जखा अतियाचारमे परलहासबके याद कर कथिलेकी तुहुसब सरिरमे चिही।
हम निर-बस्तर छेलियै, तुसब हमरा बस्तर पिन्हादेल्ही। हम बिमार छेलियै, तुसब हमरा सेबा-सुसार करलिही। हम जहलमे छेलियै, तुसब हमरा भेटमुलकात करैले एल्ही।’
हम परदेसी छेलियै, तखुन तुसब हमरा आपन घरमे स्वागत नै करलिही। हम नङटे छेलियै, तखुन तुसब हमरा पिन्हैले बस्तर नै देल्ही। हम बिमार परल छेलियै, तखुन तुसब हमरा सेबा-सुसार नै करलिही। हम जहलमे छेलियै, तखुन तुसब भेटमुलकात करैले नै एल्ही।
अतबे कैहके फेलिक्स पावलके कुछ स्वतन्तरसङे पहरामे राखिहे आ ओकर सङिसबके आबसेक्ता पुरा करैले नै रोकिहे कैहके कप्तानके आदेस देल्कै।
ओकर बिहान हमसब सिदोन इलाकामे पुगलियै। युलियस पावल उपर दया देख्याके ओकर साथि-सङीसबके आपन-आपन आबसक्ताके सरसमानसब आनैले अनुमति देल्कै।
आनन्द करैबलासबसङे आनन्द कर आ कानैबलासबसङे कान।
यदि एकटा अङके दुख हैछै त, देहके पुरे अङ दुख भोगैछै। यदि एकटा अङके आदर हैछै त, देहके पुरे अङसब एकसाथ खुसी मनाबैछै।
ओहैसे हम परभुके सेबा करैबला कैदी, तोरासबके बिन्ती करैचियौ, कि जे बोलाबटमे परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ तै अनुसारके जिबन बिता।
हम पावल, यि गोरलगी आपने हाथसे लिखैचियौ। हम जहलमे परलचियौ से बात नै बिसर। परमेस्वरके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
तुसब जहलमे परलहा लोकसबके दया देखाइलिही, आपन सम्पती लुटलगेलै तैयो खुसिसाथ सहन करलिही, कथिलेकी तुसब जानैछेल्ही, कि औरो उतम आ सबदिन रहैबला सम्पती आपनेसङे छै।
ओइसबके पथलसे मारल्कै। कतहेकके आरिसे चिरके दुइ फाक कैरदेल्कै। कतहेकके तलबारसे काटल्कै। कतहेक लोक गरिबी, अतियाचार आ दुरबेबहार सहैत भेरा आ बकरीसबके छाला लग्याके अने-ओने घुमैत रहलै।
अन्तमे हम यि कहैले चाहैचियौ, तुसब एके मनके हो, एक दोसरके पिर मरका बुझ, एक दोसरके भाइ दाखिल माइनके परेम कर। तुसब दयालु आ नम्र बन।