16 एक दोसरके भलाइ करैले आ आपनसङे भेल चिज बाटचुट करैले नै भुल, कथिलेत अहिनङे बलीसबमे परमेस्वर परसन्न हैछै।
यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहर सङे भेल्हा सब धन-समपैत बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन हेतौ आ हमर पछा लाग।”
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
योप्पा सहरमे एकटा तबिता नामके जनी बिस्बासी रहै, जकरा गिरिक भसामे “डोरकस” कहैछेलै। (जकर मतलब हरिनी चियै।) उ असल काम आ गरिबसबके दान द्याके हरदम सहयोग करैछेलै।
खिरिस्टके पबितर जनसबके खाचोमे मदत कर आ घरमे एल मेजमानसबके सेबा-सत्कार कर।
तैखातिर मौका भेटैत मातर सबकोइके भलाइ कैरते चल, खास कैरके खिरिस्टमे बिस्बास करल परिबारसबके।
बचनके सिक्छा पाबैबला सबकोइ आपन सब असल चिजसब बचन सिखाइबलासङे बाँटचुट करे।
जे चोराबैछै आबसे उ चोरी नै करे। बरु मेहनत कैरके आपने हाथसे कमाबे आ अभाबमे परलहासबके मदत करैले सके।
चाहे जे हेबे, तुसब हमर कस्टमे मदत कैरके एकदम असल करलिही।
हम पाबैबलासे बेसी पाबनेचियै। इपाफोरोडिटसके हाथसे पठ्याल तोरासबके गमगम करैबला, परमेस्वरके मनपरैबला आ गरहन योग्य भेटी पाइबके हम सन्तुस्ट भेलचियै।
तुसब ककरो खराबीके बदला खराबी नै कर, महज एक-दोसरके आ सके जतहेक सब लोकसबके भलाइ करैके कोसिस कर।
देख हमर भाइसब, भलाइके काम करैले कहियो नै थाक।
आन लोकके भलाइ करैले, असल काममे धनिक हैले, खाचोमे परलहा लोकसबके सहायता करैले आ आपनसङे भेल चिज औरोसबके दैले ओइसबके कह।
हम परथना करैचियै कि तोहर बिस्बासके संगती बरहैत जाय आ अपनासब खिरिस्टमे केहन-केहन भलाइके काम करे सकैचियै से ग्यानमे बिरधी कराबे।
तुसब परमेस्वरके लोकसबके सेबा कैरते परमेस्वर परती आपन परेम देखाइनेचिही आ अखुनो अहिनङ सेबा करैत आइबरहलचिही। परमेस्वर अनियाय नै करैछै। तोरासबके करल यि सेबा आ परेमके उ कहियो नै बिसरतै।
पिरिय सङि, तु खराब कामके देखासेखी नै कर, बरु असल कामके देखासेखी कर। जे असल काम करैछै, उ परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ जे अधलाह काम करैछै, उ परमेस्वरके नै चिन्हने रहैछै।