“महज आपन सतरुसबके परेम कर आ ओकरासबके भलाइ कर तब कोइ फिरता करतौ तै आसमे पैंचा नै दहै। तैसे तोरासबके इनाम बरका हेतौ तब तुसब महान परमेस्वरके बेटाबेटी कहाइबिही। कथिलेत उ बेगुनिया आ स्वारथी लोकसबके परेम करैछै।
महज जे ओकरमे बिस्बासे नै करने छै, उ कनङके ओकरा पुकारतै? जकर बारेमे सुन्बे नै करने छै, तकरमे कनङके बिस्बास करतै? ओकर बारेमे कोइ परचार नै करतै त कनङके सुन्तै?
तैल्याके हे भाइसब, परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ चुन्ने छौ से बात आपन जिबनमे परमानित करैले एकदम कोसिस करैतरह। तुसब एहैन करबिही त, बिस्बाससे कहियो नै गिरबिही।
महज डरपोकसब, बिस्बास नै करैबलासब, घिनलागैबला काम करैबलासब, हतियारासब, बेबिचारीसब, जादु-टोना करैबलासब, मुरती पुजा करैबलासब आ झुठ बोलैबलासबके ठाम त आइग आ गन्धक बरैबला भठिमे हेतै। यि दोसर मिरतु चियै।”