3 हमसब बिस्बास दुवारा यि बात बुझैले सकैचियै कि, सन्सारके सब बात परमेस्वरके बचनसे सिरिस्टी करल्कै आ जे देखल बातछै से अनदेखल चिजसे बन्लै।
सबचिज परमेस्वर ओकरेसे सिरिस्टी करल्कै। सिरिस्टी भ्याल चिजसबमेसे एकोटा चिज ओकरबिना नै बन्लै।
“यौ साथीसब, अहाँसब कथिले एहेन काम करैचियै? हम्हुसब त अहैसब जखा दुख-सुख भोगैबला लोकसब चियै आ अहाँसब यि मुरुतके पुजा-पाठ करैले छोइरके जिबित परमेस्वर जे अकास, पिरथिबी, समुन्दर आ ओइमे जे कुछो छै, ओइसबके बनाइनेछै तैमे बिस्बास करु कैहके सुसमाचार सुनाबैले एलचियै।
परमेस्वर, जे सन्सार आ ओइमे भेल सबचिजके बनाइल्कै, ओह्या स्वरग आ पिरथिबीके मालिक चियै। उ लोकसबके बन्याल मन्दिरमे बास नै करैछै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै “हम तोरा सन्सारके सब जातीके पुरखा बनाइने चियौ।” मरलसबके जिबन दैबला आ असतित्वमे नै भेल चिजके असतित्वमे लाबैबला परमेस्वरमे अबराहम बिस्बास करल्कै।
महज हमसब त परमेस्वरके गुप्त आ घोसारल ग्यानके परचार करैचियै, जे सिरिस्टी हैसे पैहनिए परमेस्वर अपनासबके महिमाके खातिर नियुक्त करने छेलै।
कथिलेकी परमेस्वरके बचन आ परथनासे सब चिज पबितर हैछै।
महज यि अन्तके दिनसबमे उ आपन बेटा दुवारा अपनासबसङे बोलैछै। उ आपन बेटाके सब चिजके उतराधिकार हैकेलेल नियुक्त करल्कै आ ओकरे दुवारा सब चिजके सिरिस्टी करल्कै।
परमेस्वरके उतम बचनके आ आबैबला जुगके लेल हैबला सक्तीसाली कामसब देखल
परमेस्वर आपन बचनसे स्वरग आ पिरथिबी सिरिस्टी करल्कै से बात उसब जानियोके अन्जान जखा करैछै। पिरथिबी पानीसे आ पानी दुवारा बनलगेलै।
“हे हमर परभु परमेस्वर, अहाँ सम्मान, आदरके योग्य चियै, कथिलेत अहि सब चिजके सिरिस्टी करनेचियै आ अहाँ आपने इक्छा बमोजिम सिरिस्टी करलियै आ उ असतित्वमे एलै।”