7 तब हम कहलियै, ‘हे परमेस्वर, पबितर धरमरसास्तरमे हमर बारेमे लिखल बचन जखा अहाँके इक्छा पुरा करैके लेल हम एलचियै।’”
येसु ओइसबके कहल्कै, “हमर खाइबला चिज यि चियै, जे हम आपन पठाबैबलाके इक्छा बमोजिम करनाइ आ ओकर काम पुरा करनाइ चियै।
“हम आपनेसे कुछो करे नै सकैचियै। हम पितासे जे सुनैचियै, ओह्या अनुसार हम नियाइ करैचियै आ हमर नियाइ ठिक छै, कथिलेत हम आपन इक्छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्छा अनुसार करैचियै।
हमर आपन इक्छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्छा पुरा करैले हम स्वरगसे एलचियै।