8 महज उ आपन बेटाके बारेमे अनङ कहैछै, “हे परमेस्वर, अहाँके राज जुगो-जुगके लेल रहतै आ अहाँ आपन राज नियायके साथ चलाइबै।
“देख, कुमाइर छौरीके देहभारी हेतौ आ उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ ओकर नाम इम्मानुएल राखल जेतै” जकर अरथ हैछै, “परमेस्वर हमरासबसङे छै।”
पबितर आ धरमी भ्याके जिबनभैर ओकर सेबा करेसकी।
पिता आ हम एके चियै।”
यहुदी अगुवासब येसुके जबाफ देल्कै, “असल कामके लेल हमसब तोरा नै मारबौ, महज तु परमेस्वरके बिरुधमे निन्दा करैके कारन पथलेसे तोरा मारैले चाहलियौ। कथिलेकी तु मानब भ्याके अपनेके परमेस्वर कहैचिही।”
थोमा कहल्कै, “हे हमर परभु, हमर परमेस्वर!”
इजराएलीसब नाम चलल पुरखासबके बेटा-बेटीसब चियै, येसु खिरिस्ट सेहो अहै जातीसे जलम लेल्कै। उ त सब जातीसबमे राज करैबला परमेस्वर चियै। ओकर परसन्सा सबदिन हैतरहे! आमेन।
कथिलेत खिरिस्ट आपन सब दुस्मनसबके आपन टाङके तरमे नै राखैतलिक ओकरा राज करैये परतै।
परमेस्वरके परकट करल सत्यके सन्देस अचमके चियै आ अकरा कोइ नै इन्कार करे सक्तै। खिरिस्ट मानब बैनके परगट भेलै आ पबितर आत्मासे धरमी ठहरल गेलै। स्वरगदुतसब ओकरा देखल्कै आ जाती-जातीके बिचमे ओकर बारेमे परचार भेलै। सन्सारमे लोकसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ उ महिमाके सङे स्वरगमे उठ्यालगेलै।
तब अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके अनन्त राजमे तोरासबके धुम-धामसे स्वागत हेतौ।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।