4 परमेस्वरके बेटा स्वरगदुतसबसे महान छै, कथिलेकी परमेस्वर आपन बेटाके स्वरगदुतसबसे बेसी आदरके नाम देल्कै।
खिरिस्ट सारा सासन, अधिकार, सक्ती आ परभुत्वमे राज करतै। उ अइ युगमे मातरे नै महज आबैयोबला युगमे सब अधिकारसे उपर छै।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै आ उ ओकर सिर चियै। लया जिबन दैबला उहे चियै कथिलेत मरलसे जिबित हैबलामेसे उ सबसे जेठ चियै आ उहे सब बातमे अधिकार करैछै।
खिरिस्टमे तोरासबके जिबन पुरा भेलछौ। वह्या सब सासन आ अधिकारके सिर चियै।
परमेस्वरमे दुख सहैबला तोरासबके आ हमरासबके छुटकारा देतौ। यि त तब हेतै, जब परभु येसु स्वरगसे धधकैत आइगमे आपन सक्तीसाली स्वरगदुतसबसङे परगट हेतै तब यि सब करतै।
जे असल छै तकरा अहाँ परेम करैचियै आ जे खराब छै तकरा घिरना करैचियै। अहैलेल परमेस्वर, अहाँके परमेस्वर अहाँके सङीसबसे बेसी सरेस्ठ अहाँके ठहराइनेछै आ तेलसे अभिसेक कैरके आनन्द देनेछै।”
तोरासबके थाहेछौ कि, पाछुसे उ आपन बाबुसे आसिरबाद लैले चाहल्कै महज लेबे नै सक्लै। कथिलेकी पस्चाताप करैके मौका नै पाबल्कै तैयो उ लोर बहाके आसिरबाद लैले चाहल्कै।
महज हमसब येसुके देखैचियै कि परमेस्वरके अनुगरहके कारनसे उ सबके लेल मरैले सके कैहके एकछनके लेल स्वरगदुतसे ओकरा छोट करल्कै। उ अपनासबके लेल मिरतुके दुख भोगल्कै, ओहैसे परमेस्वर ओकरा महिमा आ आदरके मुकुट पिन्हाइल्कै।
येसु स्वरगमे गेलै आ सब स्वरगदुतसब, अधिकारसब आ सक्तीसबके बसमे कैरके परमेस्वरके दहिनाकात बिराजमान भेल छै।