6 खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
कथिलेत उ अपनासबके जातीके परेम करैछै आ अपनासबके खातिर एकटा यहुदी सभाघर बन्यादेनेछै।”
आब बिस्बास, आसा आ परेम यि तिन बात रहैछै, महज ओइमेसे सबसे बरका परेम चियै।
कथिलेत खतना करनाइ या नै करनाइ बरका बात नै चियै, महज परमेस्वरके आग्यापालन करनाइ सबसे बरका बात चियै।
हमसब त खिरिस्टके परेमके बसमे चियै, कथिलेकी हमसब निसचिन्त चियै कि सबलोकके लेल खिरिस्ट मरलाके कारन सबके मिरतु भेलै।
कथिलेत बिस्बाससे येसु खिरिस्टमे तुसब परमेस्वरके सन्तान भेलचिही।
आबसे नै त यहुदी, नै त गैर-यहुदी, नै दास, नै स्वतन्तर, नै पुरुख, नै जनी छै, कथिलेत तुसब खिरिस्ट येसुमे सबकोइ एक चियै।
नै त खतनाके कोनो महत्व छै, नै त बेखतनाके, महज मुल बात यि चियै कि परमेस्वर अपनासबके नया लोक बनाइनेछै।
सब बिस्बासी भाइ-भैयारीसबके परमेस्वर पिता आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट सान्ती, परेम आ बिस्बास देबे।
कथिलेत हमसब परभु येसु खिरिस्टमे तोरासबके बिस्बास आ ओकर सब पबितर लोकसबके करल तोहर परेमके बारेमे सुन्नेचियौ।
तैखातिर अते गिरिक या यहुदी, देहमे खतना करल आ नै करल, असभ्य, असिक्छित, दास या स्वतन्तर ककरो कोनो भेदभाव नै छै महज खिरिस्टे सब चिज चियै आ सबमे बास करैछै।
बिस्बाससे करल तोरासबके काम, परेमसे करल तोरासबके मेहनत आ आपन परभु येसु खिरिस्टके आसामे करल तोहरसबके सहनसिलता हमसब परमेस्वर आ पिताके अगा परथनामे हरदम सम्झैत रहैचियौ।
बिस्बास दुवारा अबराहम परमेस्वरके कहल मानल्कै आ जो कैहके कहल ठामदिसन गेलै, जे ठाम परमेस्वर ओकरा देबौ कैहके परतिग्या करने छेलै। कते जेबै कैहके ओकरा थाहे नै छेलै तैयो उ आपन देस छोइरके गेलै।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।