5 महज हमसब खिरिस्टमे बिस्बास करलासे पबितर आत्मा अपनासबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैबला आसाके बाट ताकैले लगाइतौ।
पहिने पापके सक्ती सब लोकसबके पाप करैले लगेल्कै आ मरलै। आब परमेस्वरके दयासे हमसब ओकर अगा धरमी ठहरैचियै आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा अनन्त जिबन पाबैछै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट फेनसे एतै कैहके बाट ताकैतखिना तोरासबमे कोनो आत्मिक बरदानके कमी नै हेतौ।
खिरिस्टके कारनसे अपनासब एके पबितर आत्मा पाइबके पिता परमेस्वरके सामने जाइले सकैबला भेलचिही।
ताकी पुरा रुपसे हम ओकरमे एक भ्यासकी। बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके अगा हम धरमी हैले नै सक्बै महज आब खिरिस्टमे बिस्बास करलासे परमेस्वरे हमरा धरमी ठहराइल्कै। यि धारमिकता बिस्बासमे अरल छै।
तुसब त परमेस्वरके बेटा येसु जे स्वरगसे एतै कैहके बाट ताइकरहलचिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै उ येसु चियै। परमेस्वरसे आबैबला करोधसे अपनासबके बचाइबला ओह्या चियै।
तोरासबके हिरदय परमेस्वरके परेमके बुझैले आ खिरिस्टके जखा सहैबला सक्ती परभु देबे।
आब त परमेस्वर हमर खातिर धारमिकताके मुकुट राखनेछै। जे पुरस्कार धारमिकताके नियाय करैबला परभु ओइ दिन हमरा देतै, उ हमरा मातरे नै महज जेसब तन-मनसे ओकर आबैबला बाट ताकैछै ओइसबके लग्यादेतै।
अकर सङे-सङे, अपनासब आसा करल बात पुरा हैबला दिनके रस्ता ताकैचियै, उ दिन अपनासबके महान परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्ट आपन महिमामे परकट हेतै।