तैखातिर मुरुतिके चरह्याल खाइले मिलैछै कि नै मिलैछै तैके बारेमे हमसब जानैचियै कि, सन्सारके मुरती किछो नै चियै आ एक मातरे परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै छै।
कथिलेकी जब हमसब तोरासबलग एलियौ त तुसब कनङके हमरासबके स्वागत कैल्ही आ जिबित आ सत परमेस्वरके सेबा करैके लेल कनङके मुरतिपुजा करैले छोइरदेल्ही से बात त लोकसब आपने कहैछै।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।