22 पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, अबराहमके दुइटा बेटा छेलै, एकटा नोकरनीसे आ दोसर आपने घरबालीसे।
नोकरनीसे जलमल बेटा लोकके इक्छा अनुसार जलमल छेलै महज आपन घरबालीसे जलमल बेटा परमेस्वरके परतिग्या करल बेटा छेलै।
महज पबितर धरमसास्तर कथि कहैछै? “नोकरनी आ ओकर बेटाके घरसे निकाइल दहै कथिलेत नोकरनीके बेटा स्वतन्तर जनिसे जलमल बेटासे कोनो हक नै पाबतै।”
अहै खातिर हे भाइ-भैयासब, अपनासब नोकरनीके सन्तान नै महज स्वतन्तर जनिके सन्तान चियै।