16 कि अखुन हम सत बात बोइलके तोरासबके दुस्मन भेलियौ त?
सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना नै करे सक्तौ, महज हमरा त घिरना करैछै, कथिलेत उसबके काम दुस्ट छै कैहके हम गबाही दैचियै।
महज हम सत बोलैचियै त तुसब हमरा बिस्बास नै करैचिही।
जब उसबके सुसमाचारके सत्यता अनुसार चलैत नै देखलियै तब हम सबके अगा पतरुसके कहलियै, “तुसब यहुदियो भ्याके गैर-यहुदीसब जखा जिबनबेतित करैचिही त, कथिले गैर-यहुदीसबके यहुदी बेबस्था पालन करैले कर लगाबैचिही?”
महज तोरासबमे भेल सुसमाचारके सत्यता सबदिन सुरक्छित रहे कैहके ओकरासबके अगा हमसब एकोरति नै झुकलियै।
ओइ बखत तुसब कतहेक खुसी छेल्ही, यदि मिलतियौ त ओइ बखत तुसब आपन आँखो निकाइलके हमरा देबे परतियौ त दैले तैयार हेत्ही। हम अकर गबाही चियौ। महज अखुन कथी भेलौ?
झुठा बिस्बासीसब त तोरासबके उपर बहुत मतलब देखाइछौ, महज असल सोइचके त नै। उसब त हमरसे दुर कैरके आपने दिसन तानैले चाहैछौ।
ओनङ त तुसब सतके बाटमे असलेसे दौरैछेल्ही। के तोरासबके सतके पालन करैले बाधा देल्कौ?