13 तोरासबके थाहे छौ, कि हम बिमार भेलाके कारन पहिन्का बेर तोरासबके सुसमाचार सुनाइले मौका पाबलियै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
पबितर आत्मासे एसियाके परदेसमे बचन परचार करैले मनाही भेलाके कारन उसब फिरिगिया इलाका आ गलातियाके परदेससब हैतगेलै।
हम तोरासबके लग जखुन एलियौ तखुन कमजोर भ्याके, एकदम डर्याल आ थरथर कापैत एल छेलियौ।
कतहेक लोक कहैछै, “पावलके चिठीसब गम्भीर आ करा हैछै, महज उ आपने हैतकाल कमजोर हैछै आ ओकर बोली कोनो महत्वके नै हैछै।”
यदि हमरा गर्भ करे परतै त, हम आपने कमजोरी देखाइबला बातसबमे गर्भ करबै।
हम बोलैमे फरहर लोक नहियो चियै त ग्यानमे कमके नै चियै। यि बात हमसब तोरासबके हर परकारसे साफ-साफ देख्यादेनेचियौ।
कथिलेत उ कमजोर भ्याके कुरूसमे टाङल गेलै महज परमेस्वरके सक्तीसे जिबित भेलै। तहिनङे हम्हुसब ओकरसङे कमजोर भेलचियै, महज परमेस्वरके सक्तिसे खिरिस्टके लया जिबन अपनासबमे सेहो छै आ उ जिबनके सक्ती तोरासबसङे बेबहार करैतखिना देखल जेतै।
तोरासब खिरिस्टके अनुगरहमे बोलाइबला परमेस्वरके अतहेक जल्दी बिसैरके दोसर सुसमाचार दिसन लागल देखके हमरा त एकदम ताजुब लाइगरहल छै।
भाइ-भैयासब, हम बिन्ती करैचियौ, एह्या बातसबके बारेमे जहिना हम चियै तहिनङे तुसब बन कथिलेत त जहिनङे तुसब पहिने बेबस्थाके अधिनसे स्वतन्तर भेल छेल्ही तहिना हम्हु स्वतन्तर भेलचियै। तुसब हमरा कोनो खराबी नै करनेचिही।
ओइ बखत हम बिमार छेलियौ त तोरासबके दिकत भेलछेलौ, तैयो तुसब हमरा छि-छि आ दुर-दुर नै करलिही। महज उन्टे तुसब त परमेस्वरके एकटा दुत आ खिरिस्टे जखा हमरा स्वागत करलिही।
यदि कोइ तोरासबके लेल निक काम करैले चासो देखाइछौ त असल बात चियै। चाहे हम तोरासबसङे रही या नै रही तैयो हरदम असल बातमे जोसगर हो।