5 परमेस्वर तोरासबके पबितर आत्मा देल्कौ आ तोरासबके बिचमे अजगुतके कामसब करल्कौ। कि तुसब बेबस्था पालन कैरके भेलौ? ओनङ त नै महज सुसमाचार सुइनके बिस्बास करलासे भेलौ।
पावल आ बरनाबास ओते बहौत दिनतक रहलै। उसब निडर भ्याके परभु येसुके खातिर परचार करैत रहलै। परभु ओकरासबके हाथसे चेन्हासब आ अच्चमके कामसब कैरके आपन किरपाके बिसयमे ओकरासबके परचारके सत ठहराइल्कै।
बिस्बास सुनाइसे आबैछै आ सुनाइ त खिरिस्टके परचारसे आबैछै।
उसब परमेस्वरके आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करने चियै।
ओह्या पबितर आत्मा ककरो अचमके काम करैबला, ककरो अगमबानी बोलैबला, ककरो आत्मासब छुटयाबैबला, ककरो बहौत किसिमके भसासब बोलैबला आ ककरो भसासबके अरथ खोलैबला बरदान दैछै।
हमरासबके हाथ-हथियार त सन्सारके नै छै, महज हमरासबसङे परमेस्वरके सक्तिसाली हाथ-हथियार छै, जै हाथ-हथियारसे सैतानके सक्तिके खतम कैरदैछै आ बेकारके बाद-बिबादके नास कैरदैछै।
हम पुरा धिरजकेसाथ सक्तिसाली आ अचमके कामसब कैरके तोरासबके बिचमे खिरिस्टके परेरित भेल परमान देनेचियौ।
ओइ बखत खिरिस्ट हमर दुवारा बोलैछै कि नै बोलैछै कैहके तुसब परमान भेटाइबिही। तोरासबसङे काम करैतखिना उ कमजोर नै महज सक्तिसाली छै।
पबितर आत्मासे आबैबला सेबाके चमक औरो बेसी महिमामय नै हेतै?
परमेस्वर खेति-किसानी करैबलासबके छिटैले बिया आ खाइले भोजन दैबला तोरासबके बिया देतौ आ ओइमे बहौत बिरधी कैरदेतौ तब तोरासबके धारमिकताके बाली बरह्यादेतौ।
हम तोरासबसे एकटा बात पुछैले चाहैचियौ, तुसब कनङके पबितर आत्मा पाबलिही? कि तुसब मोसाके बेबस्था पालन कैरके पबितर आत्मा पाबनेचिही? नै, महज तुसब सुसमाचार सुइनके बिस्बास करलासे पबितर आत्मा पाबनेचिही।
कथिलेत हमरा थाहछै, कि तोरासबके परथनासे आ येसु खिरिस्टके आत्माके मदतसे हम छुटकरा पाब्बै।