18 कथिलेत हक बेबस्था पालन कैरके पाबतै त परतिग्याके कोनो मतलब नै रहलै। महज परमेस्वर अबराहमके परतिग्यासे हक देल्कै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै त ओकर हकबला सेहो चियै, परमेस्वरके हकबला आ खिरिस्टसङे सझिया हकबला हेबै। यदि हमसब खिरिस्टसङे दुख-कस्ट भोग्बै त ओकरेसङे आदर-सम्मानमे सेहो सहभागी हेबै।
हम परमेस्वरके अनुगरहके बेरथके नै ठानैचियै। यदि बेबस्था पालन कैरके हमसब परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैचियै त, खिरिस्टके मरनाइ बेरथ हेतै।
बेबस्था पालन कैरके धरमी हैले चाहैबलासब सरापके अधिनमे रहैछै कथिलेत पबितर धरमसास्तर कहैछै, “बेबस्थाके किताबमे लिखल सब बात नै मानैबला लोकसब सरापित हैछै।”
परमेस्वरमे बिस्बास करनाइ आ बेबस्था पालन करनाइ फरक बात चियै। महज पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “जे बेबस्थामे लिखल बात पालन करैछै, उ तहैसे असल जिबन जियैछै।”
परमेस्वर, अबराहम आ ओकर सन्तानसे करल परतिग्या अहिनङे छेलै। पबितर धरमसास्तरमे द्याल उ परतिग्या “बहुतो सन्तानसबके” लेल नै, महज “एक गोरेके” लेल मातरे छेलै आ उ दोसर कोइने चियै, उ त केबल खिरिस्ट चियै।
कथिलेत बिस्बाससे येसु खिरिस्टमे तुसब परमेस्वरके सन्तान भेलचिही।
यदि तुसब खिरिस्टके चिही त अबराहमोके सन्तान चिही आ परमेस्वरके परतिग्या बमोजिम हकबला सेहो चिही।