उसब आपन कुछ चेलासब आ हेरोद रजाके दलके कुछ लोकसबके येसुलग एहेन कहैले पठेल्कै, “हे गुरु जी, हमसब जानैचियै कि अहाँ सत चियै आ परमेस्वरके साँचे सत बाट देखाइचियै। लोकसब कथी कहतै तैके कोनो बास्ता नै राखैचियै कथिलेकी अहाँ ककरो पक्छपात नै करैचियै।
उसब येसु लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, हमसब जानैचियै कि, अहाँ सहि बात बोलैचियै आ ककरो पक्छपात नै करैचियै। अहाँ त परमेस्वरके सत-सत बात सिखाइचियै। आब हमरासबके कहु, हमसब कैसरके कर तिरबै से उचित छै कि नै?”
तब उसब येसुके फसाइले पुछल्कै, “गुरु जी, हमसब जानैचियै, अहाँ सहि बात बोलैचियै, असल बात सिखाइचियै आ ककरो पक्छपात नै करैचियै, महज अहाँ त सत्यतासे परमेस्वरके रस्ता देखाइचियै।
कथिलेत कुछ समय पैहने थुदास नामके लोक आपन परसन्साके दाबी करल्कै आ लगभग चार सय लोक ओकर पछा लाग्लै, महज उ मारल गेलाके बाद ओकर पछा लागैबलासब सब तितर-बितर भ्यागेलै आ सब बातसबके नाम निसान हरागेलै।
हम त मुरुख जखा भेलियै, महज तुहिसब हमरा एहेन करैले कर लगेलिही। बास्तममे तोरेसबके हमर पक्छमे निक बात बोलैले परतियौ, कथिलेत हम किछो नै छेलियै तैयो महान परेरितसबसे त हम कम नै चियै।
हमरा ओते जाइले परतै कैहके परमेस्वरके देख्याल अनुसार हम ओते गेलियै। हम ओते रहैबखत मन्डलीके मुल अगुवा मानलसबके एकान्तमे भेटघाट करलियै आ जे सुसमाचार हम गैर-यहुदीसबके सुनाइने छेलियै से बात सहि छै कैहके ओकरासबके परस्ट बत्यादेलियै। नै त हमर करल आ कैररहल काम बेरथ हेतै।
तोरासबके अगुवासबके कहल बात तुसब मान आ ओकरासबके अधिनमे रह। आपन कामके लेखा परमेस्वरके दैलेपरतै कैहके उसब तोरासबके आत्मामे देखभाल करतौ। ओकरासबके कहल बात मानबिही त उसब आपन काम खुसिसे करतौ। यदि दुख माइनके करबिही त तोरासबके कुछो फाइदा नै हेतौ।