17 यदि खिरिस्टमे धरमी ठहरैले कोसिस करैतखिना हमसब दोसी भेटाइबै त, कि खिरिस्ट पापके बढावा दैछै त? कदापी नै।
तुसब जानैचिही कि लोकसबके पाप दुर करैले खिरिस्ट परगट भेलै आ ओकरमे कोनो पाप नै छै।
हमसब जलमेसे यहुदीसब चियै आ हमसब “पापी” मानल गैर-यहुदी जखा नै चियै।
अकर मतलब सब इजराएलीसब परमेस्वरके अगा धरमी हैले चाहतो परभी नै भेलै महज परमेस्वरके छानल कुछ इजराएलीसब मातरे धरमी ठहरलै। औरो बाकी इजराएलीसब कठोर भेलै।
उ महापबितर ठाममे परधान पुजारी भ्याके सेबाके काम करैछै। उ साँचो महापबितर ठाम त लोकसब नै बनाइनेछै, महज परभु आपनेसे बनाइनेछै।
तब कि बेबस्था परमेस्वरके परतिग्याके बिरोधमे छै त? कदापी नै। यदि बेबस्था पालन कैरके लोकसब अनन्त जिबन पाबैले सक्तियै त, बेबस्थे लोकसबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहराइतियै।
महज पतरुस एन्टिओखिया सहरमे एलाकेबाद हम ओकरा खुलमखुला बिरोध करलियै। कथिलेत उ दोसी छेलै।
हम तोरासबके यि बात कहैचियौ कि, परमेस्वर यहुदीसबके पिता-पुरखासबसङे करल परतिग्या सत छै से देखाबैले खिरिस्ट यहुदीसबके सेबक बन्लै।
नै, परमेस्वरके दन्ड दैबला काम कोनो हालतमे गल्ती नै चियै। यदि परमेस्वर ठिकसे नियाय नै करतै त उ कनङके सन्सारके लोकसबके नियाय करतै?
पक्का पुरा करतै, सब लोक आपन बचन पुरा नै करतै तैयो परमेस्वर आपन बचनके पुरा करतै। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “बोलि-बचनमे अहाँ ठिक ठहरलचियै, नियाय हेतै त अहाँके जित हेतै।”
उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ तु ओकर नाम येसु राखिहे, कथिलेत उ आपन लोकसबके ओकरासबके पापसे बचाइतौ।”
उ आइबके सब बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत औरो लोकसबके द्यादेतौ।” लोकसब यि बात सुइनके कहल्कै, “एहेन कहियो नै हेबे!”
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके कुरूस बाहके औरो कोनो चिजमे घमन्ड करैबला बात हमरसे दुरे रहे। ओकर कुरूसके कारन हमर लेल सन्सारके लोभ लालचसब मरल छै आ सन्सारके लेल हम मरल चियै।