1 चौद बरिसके बाद हम बरनाबाससङे तितसके ल्याके फेनो यरुसलेम गेलियै।
तकरबाद साउलके ताकैले बरनाबास टारसस सहर दिसन गेलै।
अहिनङे उसब उठेल्हा पैसा बरनाबास आ साउलके हाथे यरुसलेम मन्डलीके रेखदेख करैबलासबके पठादेल्कै।
अने बरनाबास आ साउल यरुसलेममे सहयोग करैबला काम पुरा कैरके घुइम एलै। ओकरासबके सङे मरकुस कहाइबला युहन्नोके आनल्कै।
एक दिन उसब उपासे रैहके परभुके आराधना करैबखत पबितर आत्मा कहल्कै, “सुन, जै कामके खातिर हम तोरासबके बोलाइने चियौ, ओहै कामके खातिर बरनाबास आ साउलके चुन।”
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
उसब बरनाबासके “जिउस देबता” आ पावलके “हिरमेस देबता” कहेलाग्लै, कथिलेत यि सब बाजैबलासबके मुख लोक छेलै।
तै कारन हमसब बैठकी कैरके सल्लाह करलियै, तब एकमत कैरके हमरासबके बात अहाँसब लग पुगाइले हमरासबके बिचसे चुइनके हमरासबके पिरिय बरनाबास आ पावलके सङे पठाइले निरनय करलियौ।
कि हमरा आ बरनाबासके मातरे पेट पालैके लेल काम करैले परतै?
महज हमर बिस्बासी भाइ तितस ओते नै भेटलाके कारन हमर मन बेचैन भेलै। तहैलेल ओइसबसे बिदा भ्याके हम माकेडोनिया परदेस दिसन गेलियै।
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, परमेस्वर तोरासबके लेल हमरे जखा इक्छा तितसके हिरदयमे राइखदेल्कै।
तितस हमर सङी चियै आ तोरासबके सहायता करैके लेल हमरसङे काम करैछै। ओकरसङे जाइबला भाइसबके खिरिस्टके महिमाके लेल मन्डलीसब पठाइनेछै।
तिन बरिसके बाद मातरे हम पतरुसके भेटैले यरुसलेम गेलियै आ ओकरसङे पनर दिन रहलियै।
औरो यहुदीसब पतरुसे जखा कपटी बेबहार देखाइल्कै। ओकरासबके बेबहार देखके बरनाबासो बहैक गेलै।
तै बखत हमरसाथमे रहल तितस, जे गैर-यहुदी भेलोपर, खतना करैये परतै कैहके कोइने कर लगाइल्कै।
याकुब, पतरुस आ युहन्ना, जेसब मन्डलीके खम्हासब मानल छेलै, उसब हमरा परमेस्वरके देल अनुगरहके पहिचान करल्कै। उसब बरनाबास आ हमरा संगतीके लेल देहना हाथ बनाइल्कै। बरनाबास आ हम गैर-यहुदीसबके बिचमे आ उसब यहुदीसबके बिचमे काम करैले सहमत भेलियै।
हमरे सङे जहलमे रहलहा अरिस्तारखस तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। बरनाबासके नातामे परैबला मरकुस सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। ओकर बारेमे पहिने हम तोरासबके कैहदेनेचियौ, उ एतौ त असलसे स्वागत करिहे।
तितस, हमे तोरा यि चिठी लिखैचियौ। साँचोके तु हमर आपने बेटा जखा चिही कथिलेकी तोहर आ हमर बिस्बास एके चियौ। परमेस्वर पिता आ अपनासबके मुक्तीदैबला येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह आ सान्ती देबे।