9 हौ मालिकसब, तैहनङे कैरके अहुसब आपन नोकर-चाकरसबके असल बेबहार करु आ ओइसबके नै धम्काब कथिलेत अहाँसबके आ उसब दुनुके एकेटा मालिक स्वरगमे छै से बात नै बिसर। उ ककरो पक्छ ल्याके नियाय नै करैछै।
तब उ नोकरसब चौबटियामे ज्याके असल खराब लोकसबके बोलाके आनल्कै। अतहेक न लोक एलै कि उ बियाह भोजघर लोकसबसे भरिभराउ भेलै।
“तब उ रजा फेनो दोसर नोकरसबके कहल्कै, ‘बियाहके भोज त तैयार छै, महज नौता पाबलाहा लोकसब यि भोज खाइ जोगके नै छेलै।
महज यदी दुस्ट नोकर हेतै त उ अपने आपके कहतै, ‘हमर मालिक आबैमे देरी कैररहलछै’ कैहके,
तब मालिक ओकरा कठोर दन्ड देतै आ ओकरा कपटीसबके बिचमे फेक देतै, जते लोकसब कानैत रहैछै आ दात किटकिटाइत रहैछै।”
“लोकसब तोरासबसे जेहन बेबहार करे कैहके चाहैचिही त, तुहुसब ओइसबसे तहिना बेबहार कर, कथिलेत मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके सिक्छाके मुल बात एह्या चियै।
औरो लोकसे तुसब जे कराबैले चाहैचिही, तुहुसब ओकरो ओहिनङ कर।
तुसब त हमरा ‘गुरु’ आ ‘परभु’ कहैचिही। यि त तुसब ठिके कहैचिही, कथिलेत हम ओह्या चियौ।
तब पतरुस कहैले सुरु करल्कै, “साँचेके हम देखैचियै कि परमेस्वर ककरो नै पक्छपात करैछै,
कथिलेकी परमेस्वर ककरो पक्छपात नै करैछै।
कोरिन्थ सहरमे भेल परमेस्वरके मन्डलीके, जकरा खिरिस्ट येसुमे पबितर बनाइनेछै आ ओकर पबितर जन हैकेलेल बोलाइल्कै आ चारुदिसनसे जे परभु येसुके पुकरा करैछै। ओह्या ओइसबके आ अपनासबके परभु चियै।
कथिलेत परभु बोलाबैसे पहिने जे दास छेलै, आब उ परभुमे स्वतन्तर लोक भेलछै। तहिनङे परभु बोलाइसे पहिने जे स्वतन्तर छेलै, उ खिरिस्टके दास भेलछै।
अधलाह करैबला कोइ रहे, उ अधलाह कामके दन्ड भोग्तै, कथिलेत परमेस्वर ककरो पक्छपात नै करैछै।
हे मालिकसब, तोरोसबके स्वरगमे एक गोरे मालिक छौ से बात जाइनके आपन दास सबसङे पक्छपात नै कैरके असल बेबहार कर।
कथिलेकी जे लोक किरपा नै करैछै ओकर नियाय किरपे बिनाके हैछै। किरपा नियायके उपर बिजय हैछै।
यदि तुसब “आपन परोसियासबके आपने जखा परेम कर” कैहके पबितर धरमसास्तरमे लिखल परमेस्वरके राजकिय नियमके पालन करैचिही त तोरौरके असले करैचिही।
देख! जे जन-बनिहार तोरासबके खेतमे बालि-नाली समेटदेल्कौ तकरा तुसब बैन नै दैके कारनसे उसब कानैखिजैछै। तैसबके पुकार सरबसक्तिमान परमपरभु परमेस्वरके कान तलिक पुइग गेलछौ।