5 हे नोकर-चाकरसब, जनङ खिरिस्टके सेबा करैचिही तैहनङे इमान्दारी साथ तुसब यि सन्सारके मालिकसबके आदर कर आ डर राइखके ओकरासबके कहलहा बात मान।
“आँख देहके लेल डिबिया चियै। यदी तोहर आँख असल छौ त तोहर पुरे देह इजोत हेतौ।
“दुइटा मालिकके सेबा कोइ नै करे सकैछै। कथिलेत उ एकटाके घिरना करतै आ दोसरसे परेम करतै। उ एकटाके मान-दान करतै आ दोसरके खराब समझतै। तुसब परमेस्वर आ धन दुनुके सेबा करे नै सकबिही।
कथिलेत हम्हु बरका हाकिमसबके अधिनमे बैठल लोक चियै, या हमरो अधिनमे सिपाहीसब छै। हम एकटाके ‘जो’ कहैचियै त, उ जाइछै, दोसरके ‘या’ कहैचियै त, उ आबैछै। तहिनङे हम आपन नोकरके ‘यि कर’ कहैचियै त, उ ओहिनङे करैछै।”
उसब एकेमन भ्याके सबदिन मन्दिरमे जमा हैछेलै, घर-घरमे परभु भोज करै आ सबकोइ खुसी मनसे मिल-जुइलके खाइछेलै,
यदि हमर आपने जातिके इजराएली लोकसब मुक्ती पाबैछै त, हम खिरिस्टके सराप सहैले आ ओकरसे अलगो हैले तयार चियै।
हम तोरासबके लग जखुन एलियौ तखुन कमजोर भ्याके, एकदम डर्याल आ थरथर कापैत एल छेलियौ।
कथिलेत परभु बोलाबैसे पहिने जे दास छेलै, आब उ परभुमे स्वतन्तर लोक भेलछै। तहिनङे परभु बोलाइसे पहिने जे स्वतन्तर छेलै, उ खिरिस्टके दास भेलछै।
अइ बातमे हमसब गर्भ करैचियै आ हमरासबके बिबेक सेहो साक्छी दैछै कि, अइ सन्सारमे बिसेस कैरके ओइसबसङे समबन्धमे हमसब इमान्दार आ परमेस्वरमे पबितर जिबन बितेलियै। यि हमसब सन्सारके ग्यानसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे पाबनेचियै।
तोरासबके आग्याकारिताके जिबन, डर आ आदरकेसाथ ओकरा स्वागत करलिही। यि सब बात याद कैरके तितस तोरासबके औरो बेसि परेम करैछौ।
हे घरबालीसब, जनङ परभुके अधिनमे रहैचिही तहिनङ तुसब आपन-आपन घरबलाके अधिनमे रह।
परभु येसु खिरिस्टके परेम करैबला सङे परमेस्वरके अनुगरह सबदिन रहे।
अहैलेल हमर पिरिय भाइ-भैयासब, जनङ तोरासब सबदिन आग्यापालन करैत एलचिही, हमर उपस्थितीमे मातरे करल जखा नै, महज आब औरो बेसिसे हमर अनुपस्थितीमे आदर आ डर मानैत तुसब आपन मुक्तीके काम पुरा करैके लेल एकदमसे मेहनत कर।
आबसे उ दास जखा नै महज दाससे बैढके एकटा पिरिय बिस्बासी भाइ चियौ। हम ओकरा बहौत परेम करैचियै महज आब तु ओकरा एकटा लोकके रुपमे आ एकटा पिरिय बिस्बासी भाइके रुपमे औरो बेसिसे परेम कर।
कथिलेकी तोरासबके चालचलन कतहेक सुध आ आदरनिय चियै से उसब आपनेसे देख्तौ।