14 अहै कारन आब तैयार भ्याके ठारभेल रह। सतके डरकसना डारहमे बाइन्हके राख, छाति बचाइबला धारमिकताके कबज लगा।
तुसब आपन डाँर सकत कर आ डिबिया बैरते रहेदहै।
रात बितगेलै आ दिन नजदिक आइबगेल छै। तैल्याके अपनासब अन्हारमे करैबला खराब काम छोइरके इजोतमे करैबला असल काम करैले तैयार रह।
सत खबर परचार कैरके परमेस्वरके सक्तीसे हमसब काम करैचियै। लराइ करैबला हाथ-हथियार देहना हाथमे आ आपनके रक्छा करैबला हाथ-हथियार बमा हाथमे बोकैचियै। उ एकेटा हाथ-हथियार धारमिकता चियै।
कथिलेत इजोतके फल त सब किसिमके भलाइ, धारमिकता आ सत्यता चियै।
अहै खातिर आब परमेस्वरके सब हाथ-हथियारसब धारन कर। तब तोरौरके खराब दिनमे सैतानके सक्तिसबके रोकैले सकबिही आ अन्त तलिक लराइ कैरके ठारभेल रहेसकबिही।
महज अपनासब दिनके धियापुता भेलाके कारन, चौकल रह। अपनासब बिस्बास आ परेमके कबच लगा आ मुक्तीके आसाके टोपी पिन्हके होसियार रह।
अहै खातिर तोरासबके आपन मन तैयार राख, आत्म संयमी बन आ येसु खिरिस्ट आबै बखत तुसब पाबैबला अनुगरहमे पुरा आसा राख।
हमर दरसनमे देखापरल घोरा आ घोरसबारसब एहेन छेलै, ओकरासबके छातिके कबच आइग जखा लाल, निल आ हरदी रङके छेलै। घोरासबके मुरी सिंहसबके मुरी जखा छेलै आ ओइसबके मुहसे आइग, धुवाँ आ गन्धक निकलैछेलै।
ओकरासबके छातिके कबच लोहाके छेलै आ ओकरासबके डेनके अबाज लराइमे दौरैबला बहुत रथ आ घोरासबके जखा छेलै।