13 अहै खातिर आब परमेस्वरके सब हाथ-हथियारसब धारन कर। तब तोरौरके खराब दिनमे सैतानके सक्तिसबके रोकैले सकबिही आ अन्त तलिक लराइ कैरके ठारभेल रहेसकबिही।
महज यि सब बातसबसे बचैले आ मानब पुतरके अगामे ठडा हेबे सके तै सक्तिके लेल परमेस्वरसङे सबघरी जागल रह आ परथना कर।”
पथलबला जमिनमे परलाहा उसब चियै, जे परमेस्वरके बचन सुइनके खुसिसाथ गरहन करैछै महज ओकर सिर नै हैके कारन ओकरासबके बिस्बास कुछ समयके लेल मातर हैछै। परिक्छाके बखत ओकरासबके पतन हैछै।
रात बितगेलै आ दिन नजदिक आइबगेल छै। तैल्याके अपनासब अन्हारमे करैबला खराब काम छोइरके इजोतमे करैबला असल काम करैले तैयार रह।
हमरासबके हाथ-हथियार त सन्सारके नै छै, महज हमरासबसङे परमेस्वरके सक्तिसाली हाथ-हथियार छै, जै हाथ-हथियारसे सैतानके सक्तिके खतम कैरदैछै आ बेकारके बाद-बिबादके नास कैरदैछै।
समयके पुरा सदुपयोग कर, कथिलेत अखुनके लोकसब बहुत खराब काम करैतरहैछै।
कोइ नै बेरथके बात कैरके तोरासबके धोखा दैले पाबे। कथिलेत बेरथके बातसबके कारन परमेस्वरके दन्ड थेथरमे परैछै।
तोरासबके एकटा भाइ, खिरिस्ट येसुके दास इपाफरास सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। उ तोरासबके खातिर हरदम जोरतोरसे परथनामे सम्झैत रहैछौ ताकी तुसब बलगर हो आ परमेस्वरके सब इक्छा पुरा रुपसे मानैले सक।
तै खातिर परमेस्वरके अधिनमे रह। सैतानके बिरोध कर आ उ तोरासबके लगसे भाइगजेतौ।
खिरिस्ट आपन देहमे दुख भोगल्कै ओहिनङे तुहुसब सेहो ओकरे जखा सोच राख, कथिलेकी जे लोक देहमे दुख भोगनेछै, से पापसे दुर रहैछै।
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।
कथिलेत ओइसबके नियाय आ सजायके बरका दिन आइबगेल छै, के ओइ दिनके सहन करैले सक्तै?”