33 चाहे जे हेबे, तुसब आपन-आपन घरबालीसबके आपने जखा परेम करे परतौ आ घरबालीयोसब आपन-आपन घरबलाके आदर करे परतौ।
हे घरबालीसब, जनङ परभुके अधिनमे रहैचिही तहिनङ तुसब आपन-आपन घरबलाके अधिनमे रह।
हे घरबलासब, आपन घरबालीसबके परेम कर, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके परेम करल्कै आ आपन जिबन अरपन करल्कै।
यि बहौत बरका रहसके बात चियै। हम एह्या बात खिरिस्ट आ मन्डलीके समबन्धमे बोलैचियै।
हे घरबलासब, तुसब आपन घरबालीसबके परेम कर आ ओकरासबसङे कठोर बेबहार नै कर।
अकर अलाबा अपनासबके अनुसासनमे राखैबला सारिरीक बाबु छेलै। अपनासब ओकरा आदर करैछेलियै। अनन्त जिबन पाबैले औरो अपनासब आपन आत्मिकी बाबुके अधिनमे रहैले परतै।